जमीनक विवाद में "खून क" बहल धार, दु गोटा के कैल गेल रेफर




दरभंगा।[प्रणव चौधरी] दरभंगा जिलाक बहेड़ा थाना क्षेत्रक जैघट्टा गांव में रवि दिनक जमीनक विवाद के  ल क हुई खूनी संघर्ष में एगो अधिवक्ता सहित आधा दर्जन लोग घायल भ गेलैथ। घायल में एगो पक्ष स अधिवक्ता देवेंद्र नाथ यादव, ओर हुनक पुत्र जितेंद्र कुमार यादव व सरोज कुमार यादव शामिल छेलैथ। जखन कि, दोसर पक्ष स राजकपूर यादव, शशिकपुर यादव, विनय कुमार यादव व विजय कुमार यादव घायल छैथ। स्थानीय लोगक मदद स घायल सबके  प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र में भर्ती कराओर गेल। मुदा, नाजुक स्थिति रहबाक कारण जितेंद्र कुमार यादव, राज कपूर यादव के डीएमसीएच रेफर क देल गेल अछि। घायल अधिवक्ता देवेंद्र नाथ यादव कहलैथ कि हुनक खेत के ट्रैक्टर केर ड्राइवर सरोज कुमार जोताई क रहल छेलैथ। एही दौरान विजय कुमार यादव व विनय कुमार यादव सहित आठ गोटा मिल अचानक हमला क देलैथ। कियौ लाठी स त कियौ रॉड स मारनाइ शुरू क देलैथ। इम्हर, दोसर पक्षक आदमी सेहो अधिवक्ता सहित ओर आदमी पर जानलेवा हमला करबाक आरोप लगेलैथ हन। दुनु ओर स थाना में प्राथमिकी दर्ज करैल गेल अछि। थानाध्यक्ष शशिकांत सिन्हा कहलैथ हन जे प्राथमिकी दर्ज क आगा केर कार्रवाई कैल जा रहल अछि।