सरकारी विद्यालय केर ऑपरेशन ब्लैक बोर्ड, पूरा सच बेहिचक


दरभंगा [प्रणव चौधरी]: बिहारक सरकारी विद्यालय के स्थिति दिन-प्रतिदिन एहेन भेल जा रहल आछि कि जेहिस शिक्षाक स्तर बढ़ैत के बदला नीच्चा गिरैता नजैर आइब रहल अछि।जत बिहार सरकार बच्चा सबहक पिछा  करोड़क करोड़ रूपया खर्च कैल जाइत अछि।ओर वैह बिहार सरकार केर शिक्षक ने स्कुल समय पर आबैत छैथ,ओर ने मध्याह्न भोजन मे बच्चा के सही खाना देल जाइत अछि। जी हाँ आइ अपनेक बता दी कि खबर हिंदुस्तानक टीम ऑपरेशन ब्लैक बोर्डक तहत सरकारी विद्यालय केर निरीक्षण कैल गेल। जेहिमे दरभंगा जिलाक हायाघाट प्रखंडक अंतर्गत नावकाटोल में स्थित प्राथमिक विद्यालय जतअ नैय त प्रधानाध्यापक ,शिक्षक ओर ने मध्याह्न भोजन बनबैय बाली रसोइया अप्पन समय स कहियो आबैत छैथ।अपने सबके बता दी कि सरकारी निर्देशक अनुसार विद्यालयक संचालन सुबह 6:30 स कैल जेबाक चाही, मूदा एत शिक्षक 7:30 बजे पहुंचैत छैथ।ओर अप्पन हाजरी सरकारक नियमानुसार 6:30 रजिस्टर मे अंकित करैय छैथ।एही शिक्षक के मोन मे बस एकैह बात रहैत अछि जे एहि स्कूल पर कोन पदाधिकारी ओता,बस कोनों समय आबैत छैथ ओर अप्पन हाजिरी सरकारक नियमानुसार भरैत छैथ।एही विद्यालय के स्थिति यी अछि कि एत कक्षा 5 अछि मूदा कार्यरत शिक्षक सिर्फ 2 टा । एही स्थिति में एत के बच्चा कि पढ़ैत हेता ? तरह तरह के सवाल उठैत अजि एही स्कूलक बिगरैत दुर्दशा के देख क एत  के बच्चा भगवान भरोसे परहैय छैथ। एही विद्यालय के प्रधानाध्यापक सुभाष कुमार कहलैथ कि एत सब बच्चा केर पोशाक राशि वितरण क देल गेल यै। मूदा उपस्थित पांच कक्षा में मात्र 25 बच्चा उपस्थित छेलैथ , जेहिमे सिर्फ एगो बच्चे अप्पन स्कूल ड्रेस में छेलैथ। शिक्षिका शैल कुमारी देवी स कक्षा संचालनक बारे में पूछल गेल त उ जवाब देबैय मे पूर्णतः असमर्थ देखाई देलैथ। सोचैय बाली बात यी आछि कि जेही विद्यालय केर शिक्षिका ही शिक्षित नैय छैथ ओही विद्यालय में ज्ञानक ज्योति कैय जलोओता?

ओतैय उपस्थित ग्रामीण सबहक कहब छल जे एही विद्यालय केर संचालन सही समय पर कहियो नैय कैल जाइत अछि।जखन पत्रकारक  टिम एही विद्यालय पर 7: 00 सुबह पहुचल त ने कोनो शिक्षक, शिक्षका छेलैथ ओर ने कोनो विद्यार्थी कि यी शिक्षक एही ब्च्चा केर भविष्य सवार सकैय छैथ? एही तलहक बहुत गलती एही विद्यालय के सामने उभर क एल अछि।