मोतिहारी बस हादसाकेँ सच आयल सोझाँ, नहि भेल केकरो मृत्यु.?

पटना : बिहारमे भेल बस हादसा मादे नव खबैर आबि रहल अछि। मंत्री केर मोताबिक अहि हादसामे केकरो मृत्यु नहि भेल छैक। बताओल जा रहल अछि जे हादसाग्रस्त बसमे मात्र 13 टा लोक सवार छल। बसमे कउनो मृत यात्री केर अवशेष नहि भेटलैक अछि। एहिठाम बता दी जे मंत्री दिनेश चंद्र यादव वैह व्यक्ति छथि जे बृहस्पतिदिन अहि हादसामे 27 टा लोकक दुःखद मृत्यु होबाक पुष्टि कएने छलाह। शुरुआती समयमे अहि हादसा पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार दुःख प्रकट करैत मदैत वास्ते सहायता राशि देबाक गप तक कहि देने रहैथ।

प्रधानमंत्री मोदी आओर राहुल गांधी सेहो ट्वीट कए अहि हादसा मादे अपन संवेदना व्यक्त कएने छलाह। एनामे अहि हादसाकेँ लेल जल्दीबाजीमे कएल गेल मौत केर पुष्टि नीतीश सरकारक जगहँसाई केर काज अवश्य केलकनि अछि। ई हादसा बृहस्पतिदिनक रातिके अछि। विभिन्न रिपोर्ट्स केँ मोताबिक बिहारकेँ मोतिहारी जिलाक कोटवा इलाकामे मुजफ्फरपुर सँ दिल्ली जा रहल एकटा बस पुलसँ नीचाँ खसि पड़लैक। अहि दुर्घटनासँ बसमे आगि लागि गेलैक। शुरुआत में बताओल गेल जे बसमे 30 टा सवारी छल आ यैह रिपोर्टक आधार पर बिहारकेँ आपदा प्रबंधन मंत्री दिनेश चंद्र यादव 27 टा लोकक मृत्य हेबाक पुष्टि कए देलनि। 

शुक्रदिन राहत बचाव काज पूरा भेलाक बाद अहि घटनाक्रमसँ एकटा अलगे खिस्सा सोझाँ आबि रहल अछि। मुजफ्फरपुर पुलिस जोन आईजी अनिल कुमार टाइम्स ऑफ इंडिया केर बतौलनि जे बसके भीतर कउनो लहाश नहि भेटल अछि। राहत बचाव काजमे 8 टा लोककेँ बचाओल गेल संगहि जड़ल राख केर फॉरेंसिक लैबमे पठा ई जनबाक प्रयाश कएल जायत जे अहि हादसमे केकरो मृत्यु भेल छैक वा नहि। तकरा बाद पुनः अहि मामलामे आपदा प्रबंधन मंत्री दिनेश चंद्र यादव सफाई देबाक वास्ते सोझा आबि गेलाह।

मंत्रीजी केर मोताबिक एखनहुँ 5 टा लोक लापता अछि। हिनका मोताबिक बसमे मात्र 13 टा लोककेँ बुकिंग भेल छल जाहिमे 8 टा लोककेँ बचाकए अस्पताल लए जाओल गेलैक। 5 टा लोकक कउनो अता-पता एखन धरि नहि लागल छैक। मंत्री जीक अनुसार ई 5 टा निपत्ता लोक कहूँ हादसासँ पहिने कतहु उतरि गेल हेताह। मंत्रीजी आगाँ कहलनि जे बस केर जड़लाक बाद स्थानीय लोककेँ सूचनाक आधार पर ओ 27 टा लोकक मृत्यु हेबाक बयान देने छलाह। मंत्रीजी भले अहि मामला पर सफाई दs देलनि अछि मुदा ई गप तs पूर्ण रूपेण साफ अछि जे 5 टा लापता लोकक कउनो तरहक स्पष्ट जानकारी सरकारकेँ समक्ष एखनहुँ नहि छन्हि।