दू वर्गक बीच भेल हिंसक झड़प : एकटाकेँ मौत

दरभंगा : [प्रणव कुमार चौधरी] दरभंगा जिलाक हायाघाट प्रखंडकेँ बसहा मिर्जापुर पंचायतक गिरधरपुरमे एकहि समुदायक दू वर्गमे भेल भयंकर मारि-पीट केर कारण फगुआ जे रंग आ गुलाल खेलबाक प्रतीक मानल गेल अछि ओ मातममे बदलि जेबाक खबैर आबि रहल अछि। 

काल्हि फगुआ छल जाहि कारणसँ सड़क पर गाड़ी-घोड़ा सेहो नहिए केर हिसाब-किताबमे चलैत छल आओर एहि स्थितीमे भेल घटनामे घायल एक वर्गक एक गोटाकेँ खाट पर राखिकय इलाजक लेल अस्पताल लs जेबाक क्रममे रास्तेमे ओहि व्यक्तिकेँ मृत्यु भs गेल। खबैर लिखबाक समय धरि अहि बातक जानकारी नहि भेटि सकल अछि जे उक्त घटना कोन कारणसँ भेलैक अछि। भेटल जानकारीकेँ मुताबिक दुनु पक्षसँ आओर बहुतरास लोके घायल छथि। आशोक पेपड़ मील थाना प्रभारी एही घटनाके पुष्टि केलनि अछि।