दिल्ली, जैतपुर : दिल्लीकेँ मीठापुर स्थित एमसीडी मॉडर्न स्कूलसँ लापता भेल चारिम कक्षामे पढ़निहार 'आकाश' झा नामक मैथिल नेनाक नृशंस हत्याकेँ खबैरसँ समूचा दिल्ली समेत मैथिल समाजमे शोकक लहैर पसरि गेल अछि। अहि नेनाक गर्दैन रेतके हत्या कएल जेबाक खबैर आबि रहल अछि। पुलिस आकाश केर लहाश दिल्लीकेँ आगरा नहैरके बोन-झाँखैरसँ भेंटबाक गप कहलनि अछि।
डीसीपी चिन्मय विश्वाल बतौलनि जे आगरा नहैरके बोन-झाँखैरक नजदीक एकटा धिया-पुताकेँ खूनसँ लथपथ लहाश पड़ल हेबाक समाद भेटल छल। ई लहाश 'आकाश' झा नामक बच्चाकेँ होबाक पुष्टि कएल गेल अछि। आकाशकेँ परिवार हरिनगर पार्ट-2 में रहैत छथि। शुरुआती छानबीनमे पता चलल जे बच्चा 28 फरवरियेकेँ अपन घरसँ स्कूल गेल छल।
पुलिस जाहि स्थानसँ लहाश बरामद कएलनि अछि ओहिठामसँ एमसीडी स्कूल किछुए दूरी पर पड़ैत छैक। बच्चा केर भेटैते हुनक माता-पिता अपन कालोनी केर आरओ लोकक संगे मीठापुर पुलिस थाना पहुँचिकय पुलिस पर लापरवाहीक आरोप लगा प्रदर्शन सेहो कएलनि। परिवारके आरोप छन्हि जे जौं समय रहैत पुलिस कउनो तरहक डेग उठउने रहैत तs हमर नेनाकेँ जान बाँचि जाएत। पुलिस मामला तs दर्ज कए लेलक मुदा हमर बच्चाकेँ ताकबाक लेल कउनो तरहक प्रयाश नहि कएलक। एम्हर पुलिस अधिकारी लोकनि केर कहब छन्हि जे ई हत्या कोना भेलैक ताहि वास्ते पोस्टमार्टम कएल जा रहल अछि आओर अहि हत्याक सबतरहें जाँच सेहो कएल जा रहल अछि।
एमसीडी स्कूल अहि हत्यासँ अपनाकेँ कएलक अलग :
स्कूल प्रशासन ई कहिकय अपन पल्ला झारि लेलनि जे आकाश 28 फरवरीके दिन स्कूल आएले नहि छल मुदा आकाशक माँ केर कहब छन्हि जे ओ खुद अपन नेनाकेँ स्कूल धरि छोड़बाक लेल गेल छलीह। होलीके कारण आकाश नै स्कूल बैग लएके गेल छल आ नहिए ओ अपन स्कूलक ड्रेश पहिरने छल। आकाश केर सहपाठी सबकेर कहब अछि जे आकाश मात्र स्कूले नहि आयल छल बल्कि हमरा सबकेर संग होली सेहो खूब खेलने छल।