अहमदाबाद : गुजरात राजयकेँ इंचार्ज डीजीपी प्रमोद कुमार जीक 28 फरवरी 2018, बुधदिन कार्यकाल खत्म भए रहल छन्हि। हिनकर स्थान पर गुजरात राजयकेँ 37 वाँ डीजीपीके रूपमे सीनियर आईपीएस अधिकारी शिवानन्द झा जीकेँ नामक निर्णय राज्य सरकार द्वारा लेल जेबाक खबैर आबि रहल अछि। 1983 बैचके सीनियर आईपीएस अधिकारी श्री झा गुजरात राज्यमे डीजी कैडर केर रहल छथि। एखन गुजरात आईबीके प्रमुख केर पद पर अपन सेवा दs रहलाह छथि।
राज्यमे नमहर समयसँ नियमित डीजीपी केर नियुक्ति नहि होबाक कारण गुजरात हाईकोर्ट नियमित डीजीपीकेँ नियुक्त करबाक हेतु राज्यसरकारकेँ आदेश देने छल जेकरा ध्यानमे राखैत राज्य सरकार शिवानन्द झाकेँ नियमित डीजीपी बनेबाक नियार कएलक अछि। अहि खबैर केर एखन धरि कउनो आधिकारिक घोषणा नहि कएल गेल अछि मुदा सरकारकें नजदीकी सूत्रसँ जानकारी भेटल जे गुजरात राज्यके नव डीजीपी केर पद पर शिवानन्द झा जीक नामक विचार कएल गेलैक अछि।
सूरत आ अहमदाबादमे शिवानन्द झा पुलिस कमिश्नरकेँ पद पर अपन सेवा दs चुकल छथि। कानून व्यवस्था पर हिनकर पकड़ आ अनुभव बड्ड प्रभावकारी रहल अछि। विशेष गप ईहो अछि जे पीसी ठाकुर केँ बाद पछिला 3 सालसँ गुजरातमे नियमित डीजीपी केर पद पर कउनो नियुक्ति नहि कएल गेलैक अछि मुदा आब शिवानन्द झा जीकेँ नामक चर्चा 37 वाँ नियमित डीजीपी केर रूपमे चलि रहल अछि जाहिसँ गुजरातके जनता लोकनिकेँ 3 सालक बाद नियमित डीजीपी भेंटतनि।