भागलपुर : बिहारके भागलपुरके नाथनगरमे बीतल शनिदिन एकटा जुलूसकेँ लके दू टा समुदायक लोकक बीचमे हिंसक झड़पके मामलामे पुलिस एफआईआर दर्ज केलनि अछि। अहि एफआईआरमे सँ एकमे केंद्रीय मंत्री अश्विनी चौबे केर पुत्र अरिजीत शाश्वतकेँ आरोपी बनाओल गेल छन्हि। एहिठाम बता दी जे नाथनगर मुस्लिम समाजक प्रधान इलाका छैक आओर भागलपुरसँ साल 2015 में अरिजीत चुनाव लड़ल छलाह जाहिमे हुनका हारके सामना करै पड़ल छलनि। एफआईआर दर्ज होबए पर केंद्रीय मंत्री कहलनि जे भागलपुरक प्रशासन आन्हर भए गेल छैक।
एफआईआरमे कहल गेल अछि जे अरिजीतके अगुवाईमे भारतीय नववर्ष जागरण समिति केर सोझासँ विक्रम संवतके पहिल दिन नव साल मनेबाक लेल जुलूस निकालल गेल छल। दुनू समुदायक बीच कहासुनी ओहिसमय आरम्भ भए गेलैक जखन मदनीनगरके स्थानीय लोक सभ अहिकेर विरोध कएलनि। शुत्रक माध्यमसँ भेटल खबैरक आधार पर अहि यात्राक लेल प्रशासनसँ कउनो तरहक स्वीकृति नहि लेल गेल छलैक।
अहिक्रममे मंत्री अश्विनी चौबे कहलनि जे हमरा अहि गपक गौरव अछि जे हमर बेटा बीजेपी आ आरएसएस केर स्वयंसेवक अछि। हमरा गौरव इहो गपक अछि जे एहिठाम सभ कार्यकर्ता उपस्थित अछि आओर शोभायात्राक सुरक्षा पुलिस लोकनि कएलनि। सभतरहक नियम-कायदा अनुरूप ई यात्रा पूर्ण भेल अछि। किछु नकारात्मक लोक द्वारा गलत काज कएल गेल जेकरा गिरफ्तार करबामे अहाँ सफल नहि भए पेलहुँ। जेकर बदला उल्टे शोभायात्रा पर आरोप लागाओल गेल अछि। ओतहि केर प्रशासन आन्हर भए गेल छथि।
उल्लेखनीय अछि जे हिंसा केर बाद प्रशासन कउनो तरहक अफवाह नहि पसरै ताहि खातिर इंटरनेट सेवा उक्त क्षेत्रमे बन्न कए देने छलथि। बताओल जा रहल अछि जे हिन्दू कैलेंडर विक्रम संवत मादे जुलूस निकालल गेल छलैक। जुलूसकेँ माध्यमसँ लोककेँ हिन्दू कैलेंडरक व्यवस्था बुझेबाक प्रयाश कएल जा रहल छलैक। अहिक्रममे जखन जुलूस मदनी चौकके नजदीक रूकि गेलैक तखन ओतहि केर स्थानीय लोक सभ एकर विरोध करै लगलनि।
दुनू पक्षमे पहिने किछुकाल कहासुनी भेल जे बादमे हिंसक बनि गेलैक। किछु शरारती लोक एकटा मोटरसाइकिल केर आगि सेहो लगा देलनि। किछु दोकानों सभमे तोड़फोड़ कएल गेलैक। समाद भेटलाक बाद पुलिस घटनास्थल पर पहुँचलाह जेतहि माहौल बिगड़ैत देखिकय पुलिसबल केर खुल्ला फायरिंग करै पड़लनि। बताओल जा रहल अछि जे पुलिस पर सेहो पथड़ाव कएल गेलैक छलैक।