दिल्ली : दिनांक 16 मार्चसँ 18 मार्च, 2018 तीन दिन धरि "मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल" केर अयोजन इंदिरा गांधी राष्ट्रीय कला-केंद्र, जनपथ, नई दिल्लीमे होमए जा रहल अछि। अहि अवसर पर मैथिली साहित्य विधासँ जुड़ल गणमान्य विद्वान लोकनिक उपस्थिति सेहो होयत। मैथिली कलाकार, रंगकर्मी, साहित्यिक कवि आदि लोकनि सेहो अपन-अपन विधासँ जुड़ल प्रस्तुति देताह। अयोजनक समय भिनसर 10 बजेसँ सांझ 8 बजे धरि राखल गेल अछि।
साहित्य आ मैथिली सिनेमाक गप सेहो हेतैक जाहिसँ मैथिली रंगभूमि वास्ते किछु नव आ ठोसगर प्रारूप बनाओल जेबाक इंतजार समस्त मिथिलावासी केर निश्चिते रहतनि। विकाश झा आ हुनकर टीमके समस्त कलाकार द्वारा कृत लघु सिनेमा "कवि कल्पना" केर पहिलबेर प्रदर्शित कएल जेबाक समाद भेटल अछि। अहि सिनेमाके 17 मार्चक सांझ 6:30 बजेसँ प्रदर्शित कएल जायत।
मैथिली साहित्य, संस्कृति आ कला क्षेत्रमे जतेक लोकनि प्रत्यक्ष वा अप्रत्यक्ष रूपे काज कए रहलाह छथि, सभगोटेक उपस्थिति सँ मैथिलीक पृष्ठभूमि निश्चित मजगूत होयत।
विदित हो जे ई आयोजन 'मैथिली-भोजपुरी अकादमी' सह दिल्ली सरकार द्वारा आयोजित कएल जा रहल अछि।