उपराष्ट्रपति करताह एहिबेर बिहार दिवसक शुभारंभ, तैयारी अछि अंतिम दौरमे

पटना : पटनाके गांधी मैदानमे बृहस्पतिदिनसँ शुरू होमय बला दू-दिवसीय बिहार दिवसक तैयारी अंतिम दौरमे चलि रहल अछि। एहिबेरक आयोजनकेँ खास गप ई अछि जे उपराष्ट्रपति वेंकैया नायडू केर हाथे एकर शुभारंभ होयत ओतहि समापन समारोहमे राज्यपाल सत्यपाल मलिक भाग लेताह।

भेटल जानकारीके हिसाबसँ 22 मार्चकेँ दुपहर 2:30 बजे उपराष्ट्रपति पटना पहुँचताह जेतहिसँ सीधा गांधी मैदान पहुँताह। करीब 3 बजे गांधी मैदानमे बिहार दिवस कार्यक्रम केर श्री नायडू शुभारंभ करथिन्ह जाहिमे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार संगहि बहुतरास गणमान्य व्यक्तित्वक उपस्थिति रहबाक गप कहल गेल अछि। उपराष्ट्रपति कार्यक्रमके शुभारंभ पश्चात ओहिदिन साढ़े 5 बजे साँझमे दिल्ली लेल विदा भए जेताह।

विदित हो जे गांधी मैदानमे आयोजनक तैयारी खूब जोरशोरसँ कएल जा रहल अछि। हरेक साल 22 मार्चकेँ दिन बिहार दिवस मनाओल जाएत अछि, 22 मार्च बिहार राज्यके स्थापना दिवस थिक।