होलीके दिन भेल हत्याक दू आरोपी भेल गिरफ्तार

दरभंगा : [प्रणव कुमार चौधरी] दरभंगा जिलाक हायाघाट प्रखंड केर अशोक पेपर मिल थाना क्षेत्रक गिरधरपुर गाममे होलीके दिन मिथिलेश सहनीकेँ भेल हत्याक मामिलामे फूलबाबू सहनी सात गोटाकेँ नामजद अभियुक्त बनउने छलाह जाहिमे काल्हि सोमदिन दरभंगा पुलिस दू गोटाकेँ गिरफ्तार कए जेल पठा देलनि अछि।

अपर पुलिस अधीक्षक दिलनवाज अहमद कहलनि जे अहि हत्यामे शामिल शुभम चौधरी केर पुत्र वीरू चौधरी आ अरुण चौधरी केर पुत्र लमसम चौधरी उर्फ पुरुषोत्तम चौधरीकेँ गिरफ्तार कए लेल गेल अछि। बाँकी बाँचल आरोपीके गिरफ्तारी लेल पुलिस लगातार छापेमारी कए रहल अछि। पुलिस केर कहब छन्हि जे मृतक आ आरोपी केर बीच पहिनेसँ आपसी मतभेद चलि रहल छल जेकरा कारण अहितरहक कुकृत्य केर अंजाम देल गेलैक अछि।

विदित हो जे होलीके दिन लाठी-डंटासँ पीटि-पीटिकय मिथिलेश सहनी केर हत्या कएल जेबाक खबैर आयल छल।