सामाजिक संस्था 'सुच्चा मैथिल' द्वारा मनाओल गेल होली मिलन समारोह संगहि शरू कएलनि 'संस्कारशाला'

मुम्बई : रविदिन, 06 मार्चकेँ सुच्चा मैथिल द्वारा महाराष्ट्रके उपनगर नालासोपारामे खूब हर्षोल्लास संग होली मिलन समारोह मनाओल गेल। अहि आयोजनमे संस्थाक बहुतरास सदस्यकेँ भागीदारी सराहनीय छल। कार्यक्रममे अरुण ठाकुर, विक्की, परमानंद शर्मा सेहो उपस्थित छलाह। समारोहकेँ शुरुआत गोसाउनिक गीत 'जय -जय भैरवी' मैथिली गीतसँ कएल गेल। सभ सदस्य एक-दोसराके रंग-अबीर लगाकय गर्दैनमे-गर्दैन मिलेलाह जे एकटा अथाह प्रेम आ भाईचाराक भान करौलक। मैथिली गीतक होली प्रासंगिक जोगीरा संगमे ढ़ोलक, झाइल आ हारमोनियमक सेहो व्यवस्था छल जाहिसँ समारोहक माहौल आरओ आनंदमयी बनि गेल। 
समारोहकेँ सफलताक हेतु संस्थाक राष्ट्रीय अध्यक्ष रामनरेश शर्मा, सचिव मदन शर्मा, सुधीर ठाकुर, मिथिलेश शर्मा, अशोक साहू, दिगम्बर शर्मा, नरेश गौरव मंडल, दीपक शर्मा, रूपेश मंडल, अरुण ठाकुर, तेजू शर्मा, परमानंद शर्मा, विक्की आ विकाश समेत आरओ बहुतरास सदस्य लोकनिक उपस्थिति छलनि। 

उल्लेखनीय अछि जे संस्था होली मिलन समारोहकेँ केर उपलक्ष्यमे निःशुल्क शिक्षाक वास्ते 'संस्कारशाला' केर शुरुआत सेहो कएलक अछि। ई संस्कारशाला केर शुरुआत मिथिलाकेँ गाम बंड्यूहलीमे कएल गेल अछि। ई स्थान दरभंगा जिलाके बहेड़ी प्रखण्डमे बंड्यूहली गाम केर पछवारी टोलामे पड़ैत अछि। 

विदित हो जे अहि संस्थाक समाजमे शिक्षा आ समानता लेल प्रयाश कएल जेबाक उद्देश्य सर्वविदित छैक आ ताहि वास्ते मिथिलामे बच्चा सभकेर मैथिली भाषासँ जुड़ल जानकारी दिएबाक हेतु 'संस्कारशाला' स्थापित कए सुच्चा मैथिल संस्था एकटा प्रशंसनीय डेग उठौलनि अछि। भविष्यमे नवपीढ़ीके धिया-पुतामे मिथिलाक ऐतिहासिक, भौगोलिक आ कला-संस्कृति आदि केर प्रति जिज्ञासा अथवा जानकारी हो ताहि वास्ते संस्थाक अहि सुन्नर पहल केर परिवर्तनीय सोच कहल जा सकैछ। 

संस्थाक पदाधिकारी लोकनि जनतब देलनि अछि जे आबै बला  समयमे संस्था संस्कारशाला केर गठन आनो जिलामे करबाक हेतु प्रतिबद्ध अछि जाहिमे मधुबनी, समस्तीपुर जिलाके सेहो केंद्रित कएल गेल छैक। 

मिथिलामे नवगठित संस्कारशाला केर सुभारम्भ पूर्व प्रखंड प्रमुख विना देवी, संस्थाक राष्ट्रीय महासचिव अमलेश मंडल, बीस सूत्री अध्यक्ष कमलेश मंडल, शिक्षक दीपक शर्मा, पंकज मंडल, पंचायत समिति सदस्य पलटन चौपाल समेत आरओ गणमान्य व्यक्तित्वक उपस्थितिमे भेल।