एनएच 57 पर फेर भेल हादसा, खगड़ियाक जज केर मौत, पत्नी समेत तीन गोटेक हालत गंभीर

दरभंगा : [प्रणव कुमार चौधरी] दरभंगा एनएच 57 पर एखन दिनोदिन हादसा बढ़ले चलि जा रहल अछि। काल्हि रविदिन फेरो एकटा हादसा घटल जाहिमे न्यायिकसेवाक एकटा अधिकारी केर दुःखद मौत भs गेलनि। भालपट्टी सहायक थानाके नजदीक फास्ट ट्रैक कोर्ट खगड़ियाके जज अरुण कुमार झा केर कार दुर्घटनामे मौत भs गेलनि। अहि हादसामे हुनक पत्नी समेत आरओ तीन गोटाकेँ घायल होबाक समाद आबि रहल अछि। घायलके ईलाज डीएमसीएच दरभंगाके आपातकालीन विभागमे चलि रहल अछि। 

बताओल जा रहल अछि जे खगड़िया फास्ट ट्रैक कोर्टकेँ जज अरुण कुमार झा अपन सासुर गारा टोल फुलपरास-मधुबनीसँ पटना जा रहल छलथि। अहि बीच सदर थाना क्षेत्रक भालपट्टी ओपी केर नजदीक पुलक डिवाईडरसँ हुनकर कार टकड़ा गेलनि जाहिसँ उक्त स्थाने पर हुनक मौत भs गेलनि। जज अरुण झा समेत हिनकर समधिन शकुंतला देवी, पत्नी रीता झा आ ड्राइवर सुरेश कुमार बड्ड घायल छथि जिनकर ईलाजक वास्ते भालपट्टी ओपी थानाके पुलिस सुधा डेरीकेँ गाड़ीसँ डीएमसीएच केर आपातकालीन विभागमे पहुँचउलनि, जेतए जज अरुणजी केर मृत घोषित कए देल गेल। बाँकी तीन गोटाकेँ हालत गंभीर होबाक कारणे पटनाक वास्ते रेफर कए देल गेल। घटनाकेँ जानकारी भेटैते जिलाके कतेको अधिकारी लोकनि डीएमसीएच पहुँचलनि। उक्त घटना रविदिन दुपहर 3 बजे घटल।

विदित हो जे एनएच 57 पर लगातार तीन दिनसँ दुर्घटनामे मौतक सिलसिला जारी अछि। तीन दिनमे 7 गोटाकेँ मृत्यु मात्र दरभंगा जिला क्षेत्रमे भेल अछि।