न्याय केर माँगक लेल गेल MSU सेनानी पर भेल लाठीचार्ज

दिल्ली [सूरज गुंजन] : अपहृत मैथिल नेना केर खबैर सुनिकय MSU दिल्ली टीम ओहि पीड़ित परिवारसँ विस्तृत जानकारी हेतु भेंट करबाक लेल पहुँचल छल। टीम MSU सँ अनूप मैथिल संग आरओ सेनानी मीठापुर थाना केर एसआई सँ भेंट कए लापता नेनाकेँ बारेमे विस्तारपूर्वक जानकारी लेलनि। ओम चौधरी आ अनूप मैथिल जखन एसआईसँ गप कएलनि तखन ओ कहलनि जे एकटा बच्चाक लहाश भेटल अछि जे एकटा नालामे पड़ल छल जेकरा पुलिस अधिकारी लोकनि एम्स पठा देने छथि। तत्पश्चात MSU सेनानी आओर
आकाशकेँ पिता लहाश केर पहिचान करबाक लेल एम्स पहुँचलाह जेतए पीड़ित पिता ओहि लाहशकेँ आकाशक होबाक गप कहलनि।


जखन आकाशकेँ पिता आकाश केर लहाशके पहिचानि गेलाह तकरा बाद MSU सेनानी अनूप मैथिल आ ओम चौधरी अपन सभ सेनानी आ स्थानीय लोकक संग पुलिस अधिकारीसँ हत्याराके शीघ्रहिं पकड़ल जाय आ अहि घटनाक लेल SIT केर गठन कएल जेबाक गप केर लिखित माँग कएलनि। मुदा एसआई अधिकारी अहि गप केर अपन उच्चाधिकारी पर टाली देलनि आ तकरा बाद SHO अधिकारी आबिकय कहलनि जे एकर लिखित नहि देल जा सकैत अछि, नहिए कउनो ठोस आश्वासन देलनि। एहिसभक पश्चात मिथिला स्टूडेंट यूनियन केर सभ सेनानी ओम चौधरी, अनूप मैथिल, अमित झा, रंजीत झा, बिट्टू झा, सूरज गुंजन, कविता झा, बी एन झा, प्रशांत झा, प्रिया पुतुल, राज नारायण केर संग आरओ बहुतरास सेनानी हत्यारा केर खिलाफ शीघ्र डेग उठाओल जेबाक वास्ते प्रदर्शन शुरू कए देलनि जाहिकारण ओतए स्थानीय मैथिल नेता आ पुलिस प्रशासन द्वारा लाठीचार्ज कएल जेबाक निंदनीय घटनाक खबैर भेटि रहल अछि। खबैर इहो अछि जे अहि लाठीचार्जमे किछु MSU सेनानी गंभीर रूपसँ घायल भेलाह छथि। चुनचुन चौधरी, अमित झा आ सूरज गुंजनकेँ विशेष रूपसँ चोट लागल छन्हि।

उल्लेखनीय अछि जे अहि प्रदर्शन केर बाद बहुतरास राजनेता आ पत्रकार संगठन हरकतमे आबि आगू एलाह अछि मुदा राष्ट्रीय स्तरक समाचार चैनल आ पत्रिकाक हस्तक्षेप नहि होबाक कारण प्रशासन पर दबाव नहि बनि पाबि रहल छैक जाहिसँ जाँच प्रक्रियामे स्थिरता बनि जेबाक संदेह उत्पन भs रहल छैक।