आँइख में नोर लेने भाई-बहन पिताक' अर्थी के छोड़ी, विदा भेली परीक्षा देबा लेल


समस्तीपुर। एक दिस पिताक' शव आओर दोसर दिस सीबीएसई दसवॉ के परीक्षा। पुत्रक फर्ज निर्वाह करके जिम्मेदारी पैर के थामैथ रहे त'  पैढ - लिखक पैग आदमी बनबाक पिता के सपना। अंततः परिवाररिक सदस्य सभ के द्वारा समझेला के बाद आँइख में नोर लेने भाई-बहन पिताक' अर्थी के छोड़ी 45 किलोमीटर दूर परीक्षा देबा लेल विदा भेली। 

मामला समस्‍तीपुर जिला के शाहपुर उण्डी पंचायत स्थित अनुमंडल कार्यालय के नजदीक के अछि। हरियाणा के बल्लभगढ़ में कार्यरत कनीय अभियंता राजाराम राय के निधन दिल के बीमारी के कारण अचानक भ गेल। अगिला दिन भोर में शव घर पर एला पर पूरा क्षेत्र गमगीन भ गेल।

मृतक के जेष्ठ पुत्र अभिषेक एवं पुत्री अनामिका के दसवॉ के परीक्षा छल । आँइख में नोर लेने दुनू पिता के शव के चरणस्पर्श केएला। एही के बाद भाई-बहन परीक्षा देबाक लेल समस्तीपुर विदा भ गेला। जबैतधारी दुनू लौटला नै, तबैतधरी पिताक' शव अंतिम संस्कार के लेल राखल रहल। दुनू के आबे के बाद पटोरी गंगा घाट पर अंतिम संस्कार भेल।

राजाराम के दू बेटा आओर एक बेटी छैन। पिता के इच्छा छल कि बेटा पैग भ इंजीनियर बने। पिता के एही तमन्ना के हृदय में राखै विपरीत परिस्थिति होबाक बाबजूद भाई- बहिन दसवॉ के परीक्षा देबा गेली ।