मुजफ्फरपुर : शहर मात्र किछ किलोमीटर के दुरी बाराति सs भरल कार एक टैंकर स' टक्करा गेल। एही हादसा में सात लोक के मृत्यु भ गेल जखनकि आन पांच लोक गंभीर रूप स' घायल छैथ। घटना के बाद मौका पर पहुंचल पुलिस घायल के इलाजक' लेल निकट के एसकेएम मेडिकल कॉलेज अस्पताल में भर्ती कराओल गेल, घायलक' हालत गंभीर कहल जा रहल अछि।
प्राप्त सूचना के मुताबिक बाराति स' भरल एक कार सकरा के केशोपुर में सामने सs आबि रहल टैंकर स' टक्करा गेल। टक्कर एतेक जबरदस्त छल कि कार के परखच्चा उड़ी गेल आओर कार में बैसल लोक गंभीर रूप स' घायल भ गेला। घायल के तुरंत नजदीक के एसकेएम मेडिकल कॉलेज अस्पताल में भर्ती कैएल गेल। कार में कुल बारह लोक सवार छलाह जाहि में सात के लोक के मृत्यु भ गेल, बांकी पांच के हालत सेहो चिंता जनक अछि।
मृतक के पहचान सकरा थाना अंतर्गत मछही सरमस्तपुर आ लोहरगमा गाम के निवासी के रह वाला के रूप में केएल गेल। मरे वला में 6 मैट्रिक के छात्र आओर सातवां स्नातक के छात्र छलाह।
मैट्रिक के सब छात्र मछही विद्यालय में पढ़ैत छलाह। जानकारी के मुताबिक बच्चा अपन स्कूल के संगी छात्र वरूण के भाई बैजू के बियाह में बाराती गेल छल। बाराती सकरा के सरमस्तपुर पकड़ी गांव सs समस्तीपुर के विशनपुर गेल छल।