मीडिया कप 2018 : वेब मीडिया इलेवन केर भिरंत नेशनल इलेक्ट्रॉनिक मीडिया इलेवनसँ


दरभंगा : [रिपोर्ट : सोमू कारण] : मीडिया कप 2018 में पहिलबेर वेब मीडिया टीमके जगह भेटल अछि। जनतब हो जे दरभंगामे आयोजित होमय बला मीडिया कप केर एहिबेर 11 वाँ साल अछि। जाहिमे टीमक बदलाव केर स्थितिमे वेब मीडिया पहिलबेर खेलि रहल अछि। वेब मीडियाक कप्तान वॉयस ऑफ दरभंगा केर संपादक अभिषेक कुमार आ उपकप्तान रोहित सिंह छथि। एहिके अलावा टीमके कोच आ मैनेजर पदकेँ कमान बालेंदु झा केर हाथमे छन्हि। बाँकी टीममे खेलाड़ी सबमे सोमू कर्ण, राहुल कुमार, समीर, वरुण ठाकुर, निखिल आशा, एम राजा, मुन्ना चौधरी, प्रिंस सिंह, आर्यन, बलबीर चौधरी, निशांत झा आ संतोष झाकेँ जगह भेटलनि अछि।

जनतब हो जे वेब मीडिया केर अहि मीडिया कपमे भाग लेबामे अलंकार ज्वेलर्स केर मालिक प्रदीप कुमार गुप्ता केर विशेष योगदानसँ पूर्ण होबाक जानकारी भेटल अछि। टीमके कप्तान अभिषेक कुमार बतौलनि जे हमर सबकेर टीम विपक्षी टीमसँ मजगूत अछि चूँकि हमर टीमक सभ खेलाड़ी युवा आ दुरुस्त अछि। कप्तान अभिषेक कुमार मीडिया कप 2018 केर विजेता होबाक प्रबल दावेदारी सेहो अपनहि टीमके बतौलनि। 

जनतब हो जे वेब मीडिया टीमके पहिल मैच आय 8 तारीख, बृहस्पतिदिन दिनक 11 बजे नेशनल इलेक्ट्रॉनिक मीडिया टीम संग भs रहल अछि।