अररिया : सांसद पप्पू यादवकेँ सड़क हादसामे घायल होबाक समाद भेटल अछि। चोट लगलाक बादो सांसद पप्पू यादव जनसभाकेँ संबोधित करबाक लेल पहुँचलाह। जनतब हो जे मोटरसाइकिल रैली केर दौरान पप्पू रोड पर खसि पड़ल छलाह।
कहल जा रहल अछि जे अररिया जोकीहाट रास्ता पर पुल डायवर्सन पार करबाक समय ई हादसा भेल। मोटरसाइकिल पर सवार भए अपन कार्यकर्ताक संग जनसभामे जा रहल छलाह तखनहि ई दुर्घटना घटल। जाहिसमय ई घटना घटल ताहिसमय सैकड़ों केर संख्यामे सांसद संग हुनक पार्टी कार्यकर्ता लोकनि सेहो संग छलनि।
मंच पर भेलनि ईलाज
अहि हादसाकेँ खबैर समूचा शहरमे आगि जेँका पसरि गेलैक। अपन लोकप्रिय सांसदकेँ देखबाक लेल भारी संख्यामे भीड़ इकट्ठा सेहो भए गेलैक। डॉक्टर लोकनिक टीम सेहो जनसभा केर मंचहि पर पहुँचि गेलैक जेतए सांसद पप्पू केर ईलाज कएल गेलनि।
लोककेँ केलनि संबोधित
किछु समय धरि मंचके एम्हर-ओम्हर भागमभागक माहौल बनि जेबाक खबैर सेहो भेटल अछि। तखनहि सांसद उपस्थित जनसभाकेँ शांति बनाकय रखबाक लेल मंचसँ अपील कएलनि संगहि कहलनि जे अहाँ सभकेर आशीर्वाद आ आशीषसँ हम जीवित छी।
रेफर कएल गेलनि IGIMS पटना
जनसभाकेँ संबोधित केलाक बाद सांसद पप्पू जीक ईलाज हेतु अररिया सदर अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल जेतए हुनक स्तिथि केर देखैत पटना IGIMS रेफर कएल जेबाक सूचना भेटल अछि।