ल.ना.मि.वि. पैनल केर पाँचू सीट पर अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद कएलक कब्जा

दरभंगा : ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय केर छात्रसंघ चुनावमे अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद विश्वविद्यालय पैनलके समस्त पाँचू सीट पर विपक्षी उम्मीदवारकेँ हरा अपन जीत सुनिश्चित कएलक अछि। शुक्रदिन भेल चुनावमे विद्यार्थी परिषद केर सूरज कुमार अध्यक्ष, अविगत कुमार उपाध्यक्ष, आदित्य कुमार महासचिव, प्रियदर्शनी कुमारी संयुक्त सचिव आ धीरज कुमार कोषाध्यक्ष पद पर जीत हासिल कएलनि। जनतब हो जे चुनाव भेला उपरांत शुक्रे दिन परिणामक घोषणा सेहो भेल जेकर सार्वजनिक साँझमे कएल गेल। 

मुख्य चुनाव अधिकारी डॉ. मुनेश्वर यादव जीक अनुसार अध्यक्ष पदकेँ उम्मीदवार सूरज कुमार 105 भोंट ओहिठाम सौरभ कुमारकेँ 62 टा भोंट भेटलनि। उपाध्यक्षक पद लेल अविगत कुमारकेँ 109 भोंट आ हारि चुकल विवेक कुमारकेँ मात्र 60 टा भोंट भेटलनि। महासचिव पद पर आदित्य कुमारकेँ 111 भोंट आ धीरज कुमारकेँ 58 भोंट भेटलनि, संयुक्त सचिव पद लेल प्रियदर्शनी कुमारी केर 110 जेखन कि ओमप्रकाश सिंहके मात्र 59 टा भोंट हासिल भेलनि। कोषाध्यक्ष पद पर धीरज कुमारकेँ 114 भोंट ओतहि सरबत परवीन केर मात्र 53 टा भोंटसँ संतोष करै पड़लनि। 

चुनावक बाबत दिनभरि विश्वविद्यालय परिसर केर माहौल गहमागहमी भड़ल छल। करीब 40 सालक बाद अहि चुनावके लेल समस्त छात्र संगठनक बीच हड़कंप मचल छल। विश्वविद्यालयके प्रबंधन भवनमे भारी सुरक्षाके बीच भोंटिंग आ ओकर मतगणना कएल गेल। चुनावमे वाम गठबंधन आ अभाविप केर बीचमे सीधा टक्कर छल। 

विदित हो जे पुलिस प्रशासन विश्वविद्यालयके अधिकारी आ मतदाता लोकनिकेँ हुनकर पहिचान पत्र आ काउंसिल सदस्यताक लेल चुनावमे जीतक वास्ते भेटल प्रमाण पत्र देखलाक बादे अंदर जेबाक मौका दैत छलाह।