डबल इंजीनियर हत्याकांडमे दोषी ठहराओल गेल 10 आरोपीकेँ आजीवन कारावास


दरभंगा : दरभंगाक बहुचर्चित इंजीनियर हत्याकांड केसमे कोर्ट बुधदिन वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग केर माध्यमसँ फैसला सुनबैत अहि मामलामे मुकेश पाठक समेत दस टा आरोपीकेँ उम्रकैदक सजा सुनौलक अछि। अहि मामलामे मुकेश पाठककेँ आजीवन कारावासक संग-संग बीस हजार टकाक जुर्माना सेहो लगाओल गेल अछि। एहिसँ पहिने बीतल पछिला दिन अपर सत्र न्यायाधीश रूपेश देव केर अदालत दस टा आरोपीकेँ दोषी ठहरउने छलाह। 

अहि मामलामे मुकेश पाठक समेत समस्त गिरोहक संतोष झा, विकाश झा, निकेश दुबे, संजय लाल देव, अभिषेक झा केर सेहो उम्रकैदक सजा सुनाओल गेल अछि। जनतब हो जे अदालत अहि मामलामे 4 टा आरोपी जाहिमे ऋषि झा, सुबोध दुबे, टुन्ना झा आ अंचल झा केर निर्दोष पाबैत सजामुक्त अर्थात आजाद करबाक आदेश सेहो देने छलाह। ओहिठाम एकटा आरोपी चुन्नू मिश्र उर्फ सुमित मिश्राक मृत्यु भए गेल अछि। 

कि छल मामला .?

26 दिसम्बर 2015 केर दरभंगा जिलाक बहेड़ी स्थित शिवराममे सड़क निर्माण कार्य करा रहल चड्डा एंड चड्डा कंपनीक अभियंता मुकेश कुमार आ ब्रजेश कुमारकेँ दिने-देखार AK-56 सन अत्याधुनिक हथियारसँ अंधाधुंध फायरिंग कए हत्या कए देल गेल छल। जाँचक दौरान 75 करोड़ रंगदारी केर माँग करबाक बाबत ई हत्याक गप सोझा आयल छल। 


विदित हो जे अहि हत्याकांडक आरोप कुख्यात गैंगस्टर मुकेश पाठक पर लागल छल जेकरा कोर्ट 26 फरवरी 2018 केँ सही पेलक।