मानवता भेल शर्मसार, पहिने कएलक कुकर्म तकरा बाद हत्या

मधुबनी, फुलपरास : मधुबनी जिलाकेँ फुलपरास गाम केर आजाद मैदान पुरवारी टोलाकेँ नजदीक एनएच 57 राष्ट्रीय राजमार्गक उत्तर बाँसक खरहोइरसँ बीस बरखक एकटा कन्याकेँ लहाश भेटलासँ समूचा इलाकामे हड़कंप पसरि गेलैक अछि। लहाशकेँ गर्दैनमे कपड़ा बान्हल छल जेकरा बाँस सँ बान्हिकय लटका देल गेल छलैक। 

घटनाक खबैर पसरैते आसपासक लोक सभ ओतहि जमा भए गेलाह। अनुमान लागाओल जा रहल अछि जे कियो हत्या कए लहाशकेँ घटनास्थल पर बाँस सँ लटका देने होयत। बेस, साँझ धरि ओहि लहाशकेँ पहिचान नहि भेल छल। 

जनतब हो जे अहि घटनाक खबैर ओतुका स्थानीय लोक सभ पुलिस केर देलनि। तकरा बाद घटनास्थल पर पहुँचल थानाध्यक्ष हरेंद्र कुमार अपन समूचा टीमकेँ संग जाँच-पड़ताल शुरू कएलनि। पुलिस लहाशकेँ पोस्टमार्टम वास्ते मधुबनी पठा देलनि अछि। ओहि मृत कन्याकेँ देह पर समूचा कपड़ा अस्त-व्यस्त अवस्थामे छल। लहाशकेँ बगलमे एकटा लेडीज चप्पल आ पानीक बोतल राखल भेटल अछि। थानाध्यक्ष हरेंद्र कुमार जनौलनि जे ई हत्या लागि अछि आ अहिमादे प्रशासन सभतरहक मुद्दा पर नजैर राखैत जाँच कए रहल अछि। पुलिस लहाशकेँ पहिचान करबाक लेल प्रयत्नशील अछि।