तेजस्वी पर तमशेलाह नीतीश, कहलनि राजनीतिमे एखन मंजिल अछि दूर

पटना : बिहार विधानसभामे गृह विभाग पर भेल बहस केँ समय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ विपक्षकेँ नेता तेजस्वी यादव केर बीच कहासुनी होबाक खबैर आबि रहल अछि। मुख्यमंत्री कुमार तेजस्वी पर आरोप लगाबैत कहलनि जे अहाँ सभ सूबे में दंगा-फसाद भड़काबैक प्रयाश कए रहल छी। 

ई सब गप ओहि समय भेल जखन सदनमे गृह विभाग केर बजट चर्चा होएत छल। तमशायल नीतीश तेजस्वी यादव केँ दबारैत कहलनि जे सुनू बाबू सुनू, राजनीतिमे एखन अहाँक यात्रा बड्ड नमहर अछि। अहाँकेर आकांक्षा राज्यमे दंगा-फसाद भड़काबैक अछि। नीतीश एतबा पर नहि रूकलाह, ओ कहलनि जे औरंगाबादके मामला सदनमे उठेबाक कउनो जरूरत नहि छैक, ई सभ मात्र अफवाह छैक। अहाँकेर राजनीतिमे करियर एखन बड्ड नमहर अछि, अहि मुद्दा सभपर बयान देबासँ बचू।

मुख्यमंत्री कुमार आगाँ कहलनि जे जौं अहाँ कम्युनल हार्मोनी में विश्वास राखैत छी तs ध्यान राखू आ अहितरहक गप सभ बजबासँ बाँचल करू। ओतहि पूरा प्रयाश कएल जा रहल छैक। नियंत्रण सेहो भए रहल छैक। तमशायल नीतीश तेजस्वीकेँ बुझाबैत आगाँ कहलनि जे हम अहितरहक बहस नहि करैत छी। ओतहि डीआईजी, आईजी संगहि बाँकी सभ प्रशासन केर लगाओल गेल छैक। सभतरहक स्थिति पर नजैर राखल जा रहल छैक। अहाँ सभ सदन केर भीतर अफवाह सभ लएके नहि आयल करू, अहिसब सँ दंगा-फसाद भड़कै छैक। 

विधानसभामे मुख्यमंत्री कुमारकेँ बयान पर तेजस्वी कहलनि जे विपक्षक नेता होबैक कारणे हम औरंगाबादक घटनाकेँ सूचना सदनमे देलहुँ, सदनमे हमरा संग साजिश कएल गेल। हमर गप केर दरकिनार कएल गेल। एतबा नहि हमर माइक सेहो बंद कए देल गेल। 

आगाँ बाजैत तेजस्वी कहलनि जे नीतीश सरकारके बुझल छन्हि जे दंगा-फसाद करै बला लोक के सब छथि। अश्विनी चौबे और हुनकर बेटा, गिरिराज सिंह, नित्यानंद राय एहन लोक सभकेर खुला छोरि देल गेल अछि। औरंगाबादमे सांसद सुशील सिंह दंगा भड़का रहल छथि।
और नया पुराने