दरभंगा : दरभंगा जिलाक एकटा दुर्गा मंदिरमे एकटा कुमारि कन्या अपनहि हाथसँ अपनहि आँखि निकालि लेलनि। घटना शनिदिन केर अछि जेतहि एकटा कुमारि कन्या द्वारा अजीबोगरीब कृत्य कएल जेबाक खबैर आयल अछि। खबैर भेटल अछि जे कन्या माँ दुर्गा केर पट खुलिते हुनका अपन बाँमा आँखि निकालिकए अर्पण कए देलनि। ई घटना बहेड़ी थाना क्षेत्रकेँ सिरुआ गामक अछि।
भिनसर बेलन्योति केर विधि उपरांत ओ कन्या सोना धमसायर गाम स्थित माँ दुर्गा मंदिर पहुँचलीह जेतहि पहुँचिते ओ अपन आँखि निकालिकय माँ दुर्गा केर अर्पित कए देलनि आ तकरा बाद बेहोश भए ओतहि जमीन पर खसि पड़लीह। अहि घटनाक बाद ओतहि जुटल लोकमेँ हड़कंप मचि गेल, आनन-फाननमे ओहि कन्याकेँ डीएमसीएचमे भर्ती कराओल गेलनि। कन्याकेँ बाँमा आँखि पूर्ण रूपे घायल भए गेल छन्हि। हिनकर आई बॉल निश्चित जगहसँ तीन चौथाई बाहर निकलि गेल छन्हि। पीड़िता केर आँखिमे पुनः रोशनी एबाक संभावना कम लागैत अछि। तइयो डागडर लोकनि रोशनी लाबैक लेल प्रयाश कए रहल छथि आ अहिमादे पीड़िता केर ईलाज कएल जा रहल छन्हि।
डागडर टीम केर कहब छन्हि जे गंभीर रूपसँ घायल आँखि केर रोशनी सदा लेल सेहो जा सकैत अछि। जानकारी अनुसार पीड़िता केर पहिचान सिरुआ गामकेँ अरुण कुमार सिंह केर बेटी सोना कुमारी उर्फ कोमल जिनकर उमैर 18 बरख छन्हि केर रूपमे कएल गेल अछि। बताओल जा रहल अछि जे कोमल माँ दुर्गा केर परम भक्त छथि आ रोज साँझ-भिनसर माँ दुर्गाक पूजा-अर्चना करैत छलीह।
विदित हो जे शनिदिन भिनसर हरेक सालक जहिना इहोबेर माँ दुर्गाक चैती नवरात्रके उपलक्ष्यमे कलश शोभा यात्राकेँ आयोजन कएल गेल छल जाहिकेर हिस्सा कोमल सेहो छलीह। कलश शोभा यात्राक समापन भेला उपरांत ओतहि कोमल अपन बाँमा आँखि निकालबाक प्रयास करै लगलीह जाहिमे हुनक बाँमा आँखि गंभीर रूपसँ घायल भए गेलनि। अफरातफरी बीच उपस्थित लोक कोमल केर डीएमसीएचमे भर्ती करौलनि जेतहि डागडर लोकनि द्वारा कोमल केर आँखिके ऑपरेशन कए पुनः निर्धारित स्थान पर लगा देल गेलनि अछि।
स्वप्नमे भगवती कहलकनि आँखि दान देबाक लेल
घायल पीड़िता केर कहब छन्हि जे दू-तीन दिन पहिने भगवती सपनामे एकटा आँखि दान करबाक लेल कहलनि। जाहिकेर कारण ओ अहितरहक प्रयाश कएलीह। जनतब हो जे कोमल अपन आँगुरसँ आँखि निकालबाक प्रयाश कएने छलीह। जानकारी अनुसार पीड़िता पुजारी उमेश झा सँ कहने रहैथ जे ओ अपन एकटा आँखि भगवती केर दान करतीह। जेकरा बाद ओ मंदिर केँ भीतर गेलीह आ अहितरहक कृत्य केर अंजाम देलनि।