दिल्ली : अमेरिका स्थित भारतीय वाणिज्य दूतावासमे खूब धूमधामसँ मनाओल गेल बिहार दिवस। बता दी जे बिहारमे मनाओल जा रहल ई जश्न अमेरिका स्थित भारतीय वाणिज्य दूतावासमे बिहारसँ रिश्ता रखनिहार लोकक वास्ते मनाओल गेल। अहि अवसर पर बिहारके 106 वाँ जन्मोत्सव मनेबाक वास्ते बहुतरास लोक जुटल छलाह।
मीडियाक जानकारी अनुरूप 'द बिहार झारखंड एसोसिएशन ऑफ नार्थ अमेरिका' (बीजेएएनए) भारतीय वाणिज्य दूतावासमे 'बिहार दिवस' केर महाउत्सव पछिले सप्ताह मनाओल गेल छल जेकर आयोजन भारतमे बृहस्पतिदिन 22 मार्चकेँ गाँधी मैदान पटनामे कएल गेल।
अहि कार्यक्रममे बीजेएएनए केर अध्यक्ष विनय सिंह, उपाध्यक्ष अविनाश गुप्ता आओर भारतकेँ महावाणिज्य दूत संदीप चक्रवर्ती सेहो भाग लेलनि। अहि अवसर पर बीजेएएनए केर कार्यकारी समितिके सदस्य आलोक कुमार आओर फेडरेशन ऑफ इंडियन एसोसिएशन केर कार्यकारी उपाध्यक्ष ओतहि उपस्थित समूहकेँ संगठनक सदस्य लोकनिक उपलब्धि सँ ज्ञात करौलनि।
अमेरिकामे 'बिहार दिवस' महाउत्सव केर समापन बिहारके मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीक 'बिहार दिवस' केर अवसर पर देल गेल संदेशक वीडियो चलाकय कएल गेल।