मिथिला स्टुडेंट युनियनक' सुरत इकाई केर बैसार सफलतापूर्वक भेल सम्पन


सुरत [प्रणव चौधरी ] : "मिथिला स्टुंडेंट यूनियनक" सुरत टीम अप्पन  मासिक बैसार आदर्श मिथिला मंडलक प्रांगण काली मंदीर मे रैव दिन केलक। एही बैसारमे सबसँ पहिने वर्तमान में मिथिला विश्वविद्यालय छात्र संघक चुनाव पर चर्चा कएल गेल। जाहि के बाद सदस्य सभ द्वारा मिथिलामे रोजगार के कोना बढ़ाबा देल जै ताहि पर चर्च कैल गेल। मिथिलामे कोना नीकसँ नीक शिक्षा कोना भेटत ताहि पर सेहो चर्चा केएल गेल ।  
अतुल मिश्राक अध्यक्षाता में भेल एही बैसार में सर्वसम्मति स घोषणा केएल गेल कि मिसू सूरत इकाई सूरतमे रहनिहार समस्त मैथिल समाजक लेल मदैत वास्ते सदिखन तैयार रहत संगैह गरीब मैथिलक बच्चा सबके मिथिला स्टुडेंट युनियन सुरत इकाई के सदस्य गरीबक बच्चा के निशुलक शिक्षा मुहैया करबेता। एहि बैसार में नवसारी स सेहो मिथिला स्टुंडेंट युनियनक बहुत रास सदस्य ऐल छलाह। 
बैसार मे उपस्थित सेनानी अतुल मिश्रा, रीतेश, भैरव, मंजेश, आलोक, विजय, चंदन, चुन्नु, आओर बहुत रास नव सेनानी सेहो छेलैथ।