जमुई : लक्ष्मीपुर थाना चौक पर अनियंत्रित ट्रक एकटा पुलिस वाहन के पीछा स' ठोकर माइर देलक। एही घटना में दू सैप के जवानक' मौत घटनास्थल पर भ' गेल , जखन की दू अन्य जवान गंभीर रुप स' घायल भ' गेला। मृतक सैप जवान के नाम जितेंद्र प्रसाद सिंह आओर भूलन यादव कहल जा रहल अछि। मृतक जवान भूलन यादव भोजपुर के कुल्हड़िया आओर जितेंद्र प्रसाद सिंह दानापुर के रहे वला छैथ।
प्राप्त सूचना के अनुसार सोमदिन भोर में लक्ष्मीपुर थाना में तैनात पुलिस बल गस्ती पर निकलल, लक्ष्मीपुर चौक पर जखन जवान एंटी लैंड माइंस पुलिस वाहन पर सवार भ रहल छलाह तखने पाछू स' आबि रहल अनियंत्रित ट्रक टक्कर माइर देलक। जाहि में दू सैप के जवानक' मौत घटनास्थल पर भ' गेल , जखन की दू अन्य जवान गंभीर रुप स' घायल भ' गेला।
घायल जावान एएसआई संजय कुमार त्रिवेदी एवं सुरेश शाह छैथ, जिनका स्थानीय अस्पताल में भर्ती करायल गेल अछि। ट्रक चालक घटना के बाद फरार अछि। पुलिस ट्रक के अपन कब्ज़ा में लक' जवानक' शव के पोस्टमार्टम के लेल पठा देलक।