पटना यूनिवर्सिटी में छात्र संघ चुनाव में एबीवीपी के दबदबा, लेफ्ट आओर महागठबंधन के खाता सेहो नै खुजि सकल


पटना : विश्विद्यालय के छात्र संघ चुनाव में अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद के दबदबा बरकरार। विश्वविद्यालय के अध्यक्ष पद पर एबीवीपी स' बागी भ' क' निर्दलीय चुनाव लाडे वाला प्रत्याशी दिव्यांशु भारद्वाज 112 मत स' जीत हासिल केएला। दिव्यांशु के 1862 वोट भेटल ओतैह जाप के गौतम 1750 वोट प्राप्त क' सकला।

उपाध्यक्ष पद पर सेहो एबीवीपी के महिला प्रत्याशी योषिता पटवर्धन जीत हासिल केएली। हुनका कुल 1765 वोट भेटल। पटवर्धन एआईएसएफ के अनुष्का आर्या के हरेली। 

कोषाध्यक्ष पद पर सेहो एबीवीपी प्रत्याशी नीतीश कुमार जीत हासिल केएला। नीतीश के 1206 वोट भेटल।
महासचिव पद पर एबीवीपी के प्रत्याशी सुधांशु भूषण झा विजयी घोषित भेला। हुनका 1647 वोट भेटल। चुनाव में संयुक्त सचिव के पद पर जाप के असजद उर्फ आजाद चांद के जीत भेटल। आजाद के कुल 1495 वोट भेटल। पटना यूनिवर्सिटी में छात्र संघ चुनाव में एबीवीपी के दबदबा 

विश्वविद्यालय के चुनाव में एक तरफ एबीवीपी के जबरदस्त जीत भेटल, ओतेह लेफ्ट आओर महागठबंधन के करारी शिकस्त भेटल।विश्वविद्यालय के एही चुनाव में दुनू पार्टि के खाता सेहो नै खुजि सकल। 

परिणाम एही प्रकार अछि : 
अध्यक्ष-दिव्यांशु भारद्वाज (निर्दलीय)
उपाध्यक्ष-योशिता पटवर्द्धन (एबीवीपी)
महासचिव-सुधांशु झा (एबीवीपी)
संयुक्त सचिव-असजद चांद (जाप)
कोषाध्यक्ष-नीतीश पटेल (एबीवीपी)