कलकत्ता: रैव दिन शरत सदन प्रेक्षागृह मे कलकत्ता के ख्याति प्राप्त मैथिली नाट्य संस्था "मिथियात्रिक झंकार" के तत्वावधान में आयोजित मैथिली मौलिक नाटक "सिसकैत संस्कार" के सफल मंचन काएल गेल।
सुप्रसिद्ध नाट्यकार आ निर्देशक शंभूनाथ मिश्र द्वारा रचित ई नाटक मे समाज मे गिरैत सभ्यता आ संस्कार के देखैल गेल । अई क्रार्यक्रम मे लगभग कलकत्ता के सब संस्था प्रमुख आ अनेको दर्शक मौजूद छलाह, साथ मे मैथिली फिल्म "लव यू दुलहिन" के स्टार कास्ट सेहो अपन फिल्म प्रमोशन के लेल पहुँचल छलाह आ फिल्म के एकटा होली गीत सेहो एही मंच सऽ रीलिज केएला , दर्शक सऽ मिलल अशेष प्यार आ थपड़ी के गरगराहट के सुनैत नाटक के समापन भेल ।
एही नाटक मे अपन भूमिका निभा रहल छलाह - शम्भु नाथ मिश्र ,उत्तम चौधरी , दिनेश मिश्र ,सुधीर झा, श्रीमति शशिता राय , कुमारी अंजना इस्सर , उज्ज्वल कुमार झा, संजय ठाकुर, विजय इस्सर ,प्रेम झा ।