रेल भर्ती के नियम में बदलाव, रेलवे ग्रुप डी सेवा में बढ़ल उम्रक' सीमा



पटना : रेल भर्ती के नियम में बदलाव के लेल विरोध क' रहल छात्र के लेल बहुत सुकून के खबैर अछि। आब अभ्यर्थि के उम्र सीमा में बढोतरी क' 28 स' 30 साल करबाक फैसला केएल गेला। 

एही मुद्दा छात्र विरोध प्रदर्शन के देखैत केंद्रीय कानून मंत्री रवि शंकर प्रसाद संज्ञान लैत  रेल मंत्र पीयूष गोयल स' बात केएन छलाह। जाहि के बाद पीयूष गोयल कानून मंत्री रविशंकर प्रसाद के ग्रुप डी में उम्रक' सीमा 28 स' बढ़ाकर 30 करे के आश्वासन देलाह। 

सरकार के एही फैसला स' आंदोलनकारी छात्रक'  जीत मानल जा रहल अछि। छात्र रेलवे में असिस्टेंट लोको पायलट पद के आवेदन शुल्क में वृद्धि वापस लेबाक लेल, ग्रुप डी के  बहाली में आईआईटी अनिवार्यता खत्म करे आओर उम्र सीमा में हुए बदलाव के रद्द करबाक करैत छलाह। रैव दिन एही विरोध में छात्र  पटना सहित औरंगाबाद, मुजफ्फरपुर आओर अथमलगोला में ट्रेनक' परिचालन ठप क देने छलाह।