मुंगेर। सरकार एक दिश नारा दैत अछि "बेटी बढ़ाओ - बेटी बचाओ ", ओतैह दोसर दिश समाज के रवैया उदाशीन के संग संग लाचार सेहो बनल अछि। ताजा घटना में एकटा बेटी चिचियाइत रहली, लेकिन कियो बचाब के लेल नै आएल। एही दौरान अपराधि ओहि लड़की के पकैड़ ओकर हाथ काटी देलक आओर घटना स्थल स फरार भ गेल। लड़की के गंभीर हालत में अस्पताल में भर्ती कराओल गेल अछि। मुंगेर के जमालपुर में घटल एही घटना सs पूरा इलाका में दहशतक' माहौल अछि। नितीश सरकार में अपराधी बेलगाम
सूचना के अनुसार जमालपुरक' निवासी पूजा कुमारी पुलिस भर्तीक' रिटेन टेस्ट के क्वालीफाई केएलाक' बाद फिजिकल टेस्टक' तैयारी करैत छली। जाहिके लेल हरेक दिनक' भाँति आई जमालपुर आरपीएफ बैरक में दउरा जाइत छली। सोम दिन भोरे दउरा जाइत काल ईस्ट कॉलोनी थाना क्षेत्र में ई घटना सरेआम भेल।
घटना के संबंध में कहल जा रहल अछि कि घात लगाक' अपराधि धारदार हथियार सs दाहिना हाथक' कलाई काटी देलक। एही दौरान ओ छुटबाक लेल छटपटाइत रहली , अपना आप के बचेबाक लेल आवाज सेहो लागेली।लेकिन, अपराधि के भय सs कियो बचाब के लेल सामने नहीं आयल।
घटना के बाद अपराधी आराम सs हथियार लहराबैत चली गेल। एहिके के बाद पहुंचल पुलिस घायल के जमालपुर रेलवे अस्पताल में भर्ती करौलक। पीडि़त युवती के पिता के अनुसार हुनका केकरो सs दुश्मनी के कोनो जानकारी नै अछि। पुलिस घटना के अनुसंधान में जुटल गेल अछि।