मुजफ्फरपुर : शहर आओर एही के अगल - बगल में सड़क हादसा के शिलशिला नै रुकी रहल अछि। रैवदिन सेहो एकटा सड़क हादसा भेल। हादसा बस आओर ट्रक के बीच ओवरटेक के दौरान भेल जाहिमे एकटा यात्री बस गड्ढा में जा पलैट गेल।
एही हादसा में चाइर यात्रि के घायल होबाक' खबर अछि। प्राप्त जानकारी के मुताबिक गड्ढा में जलकुम्भी होबा के कारन यात्रिक' जान बचि गेल। घटना बेनुबाद ओपी के केवटसा के लग एनएच 57 पर भेल। घायलक' इलाज लेल मुजफ्फरपुर के एसकेएमसीएच में भर्ती कराओल गेल अछि।
ज्ञात होयत कि एही स'पहिने शैन दिन एकटा सड़क हादसा में 9 स्कूली बच्चाक' मृत्यु भs गेल छल।