पति-पत्नी दुनू एक साथ होटलक बंद रुम में केलैन खुदकुशी



मुजफ्फरपुर: सदर थाना क्षेत्रक भगवानपुर चौकक नजदिक आनंद गेस्ट हाउस के कमरा नंबर-103 में पंखा स प्लास्टिकक रस्सी के सहारा लटैक क' दंपती  खुदकशी क लेलैथ। सूचना भेटला पर  सदर थानेदार मो.सुजाउद्दीन मौका पर पहुंचलैथ। 
मजिस्ट्रेटक रूप में मुशहरी सीओ के समक्ष कमरा के दरवाजा तोड़ी क' दुनू शव के निकालल गेल। कमराक तलाशी में आधार कार्ड, रेल टिकट आओर पैन कार्ड भेटल। प्रारंभिक छानबीन में हुनक पहचान पश्चिम बंगालक रामपुरा मोहनपुर, मेदनीपुर के सपन पायरा आओर खुकुमानी पायरा के रूप में भेल। आधार कार्ड पर हुनक नाम पति-पत्नी के रूप में दर्ज अछि। मामला में बंगाल पुलिस स संपर्क साधाल गेल अछि। 

होटल, आनंद गेस्ट हाउसक मालिक रिटायर्ड डीएसपी विपिन कुमार सिंह पुलिस के बतेला कि दुनू शुक्रवार क साँझ मे एत पहुंचल छेलैथ। छ सौ रुपया में कमरा बुक करेने छेलैथ। मैनेजर रवि स रजिस्टर में युवक गर्भवती पत्नी के  इलाज करेबाक बात लिखेने छेलैथ।
कमरा स' बैग, नकदी आओर दु टा' मोबाइल सेहो बरामद कैल गेल अछि। मौका-ये-वारदात पर कोनो सुसाइड नोट नैय भेटल अछि। होटलक प्रबंधक रवि आओर राहुल के पूछताछ के लेल पुलिस खोइज रहल छल। मुदा खबैर लिखैय काल तक, संपर्क नैय भ सकल छल।
जांचक प्रक्रिया पूरा होय तक पुलिस होटलक मुख्य दरवाजा के बंद करा देलक। ताकि, कियो बाहरी व्यक्ति भीतर नैय प्रवेश क सकैय। ऐहिस पहिले दोसर कमर सबहक ग्राहक धीरे-धीरे निकल गेलैथ।  
पूछताछक दौरान पता लागल कि होटल पहुंचैय के बाद दुनु बाहर निकलल छेलैथ। थोडके समयक बाद लौट फेर वापस ऐलैथ और स्नान करबाक बात कहलैथ। मैनेजर साबुन आइन क देने छेलैथ। ओहीके बाद मच्छर भगेबाक के लेल राइत 11 बजे ऑलआउट देब गेल छेलैथ। ओही समय उ हंसी-खुशी आपस में बात करैय छेला। शनिवार क दोपहर तक कमरा स कियो नहीं निकलल तखन मैनेजर के संदेह भेल ओर दरवाजा खटखटेला। मुदा, कोन जबाव नैय.भेटल। तखन पुलिस के सूचना देल गेल।