उत्तर प्रदेश केँ कासगंज मे जिहादी सभ केलक तिरंगा यात्राक विरोध, ABVP केँ एक नेताक गोली मारी हत्या

आगरा। 27 जनवरी। उत्तर प्रदेश केँ कासगंज क्षेत्र मे साम्प्रदाईक दंगा होयबाक खबैर अछि जाहिमे जिहादी सभ पहिने तिरंगा यात्राक विरोध केलक आओर ओहिक बाद ABVP केँ दू नेता केँ गोली मारी देलक जाहि मे एक केँ मौत होयबाक खबैर अछि। एहि हादसाक बाद माहौल बहुत खराब भ' गेल, कैको जिलाक पुलिस मौका पर तैनात कायल गेल, क्षेत्र मे तुरंत कर्फ्यू लगाओल गेल अछि। फिलहाल हालात आब नियंत्रण मे बताओल जे रहल अछि मुदा तनाव बरकरार अछि। 


एहि हमला मेँ ABVP संगठन केँ चन्दन राय केर मौत भ' गेल अछि जखनकि एक आन गंभीर रुपे घायल बताओल जे रहल अछि। प्राप्त खबैर केर मुताबिक कासगंज मे तिरंगा फहरेबाक बाद ABVP आओर VHP केँ कार्यकर्ता रोड पर तिरंगा यात्रा निकालने छल, मुस्लिम इलाका मे पहुँचते सैकड़ों लोग अप्पन - अप्पन घर सँ निकैल तिरंगा यात्रा केँ घेर लेलक, ऐहिक बाद दुनू पक्ष मे कहासुनी भेल, मुसलमान सभ ABVP कार्यकर्ता सभ पर फायरिंग केलक जाहिमे चन्दन राय केर मौत भ' गेल जखनकि एक दोसर कार्यकर्ता गोली सँ गंभीर रुपे घायल बताओल जे रहल अछि।