रांची। 27 जनवरी। दुमका कोषागार सँ जुडल मामला मे जुड़े मामले मे पूर्व मुख्यमंत्री आओर राष्ट्रीय जनता दल केर प्रमुख लालू प्रसाद समेत एहि मामलाक सभ आरोपीक आय कोर्ट मे पेशी होयत। कैल्हि 26 जनवरी क' गणतंत्र दिवस समारोह केर कारण अदालत मे अवकाश होयबाक कारण सुनवाई स्थगित छल। ओतहि सुप्रीम कोर्टक दिशा निर्देश पर प्रतिदिन सुनवाई चैल रहल अछि। ई मामला आरसी 47-96 सँ संबंधित अछि। ई मामला डोरंडा कोषागार सँ 139.35 करोड़ टाकाक अवैध निकासीक अछि।
दुमका कोषागारक मामला सेहो सीबीआई केँ विषेष न्यायाधीश शिवपाल सिंह केर अदालत मे चैल रहल अछि जाहिमे 6 जनवरी केँ लालू यादव समेत 15 आन अभियुक्त केँ देवघर मामला मे सजा सुनाओल गेल छल। अपने क' बता दी कि लालू प्रसाद यादव केँ चारा घोटालाक तीन मामला मे एखन धरी 13.5 बरखक सजा सुनाओल जे चुकल अछि।