मधुबनी : अंधराठाढ़ी मे एगलग्गि सँ पुरा घर राख, गृहस्वामी केँ हार्ट अटैक सँ मौके पर भेल मौत

मधुबनी। 25 जनवरी। अंधराठाढ़ी प्रखंडक अंधराठाढ़ी बोनोडिह मलहटोली लग पछिला 22 जनवरी, सोम दिन एकाएक सहदेव राय केँ घर मे आगि लगला सँ आगिक भयावह दृश्य देखि गृहस्वामी केँ हार्ट अटैक आएब गेल जाहिसँ गृहस्वामी सहदेव राय केर मौके पर मौत भ' गेल। हुनकर पुतहु  मोसोमत विनिता देवी बेघर भ' गेल छथि हुनका माथ नुकेबाक लेल घर नहि, पहिरबाक लेल वस्त्र नहि अछि। 


एखुनका कंपकंपाबैत जाड़ सँ बचबाक लेल हुनका लग कोनो इंतजाम नहि अछि। एखन धरी मैथिल - मिथिला करय बला एको संगठन हुनक मदैद लेल आगू नहि आयल अछि। राजनीतिक दल रोटी सेकबा मे लागल अछि।   मोसोमत विनिता देवी दोसरक घर मे शरण लेना छथि, हुनका ऊपर दुखक पहाड़ टुइट खसल अछि। हुनकर मदैद लेल नहिये कोनो समाजसेवी वा नहिये कोनो संगठन मदैद लेल आगू आएल अछि। 


विनिता देवी केँ एक बेटा आओर दू बेटी काजल आ आरती अछि। एहि स्थिति मे एहि छोट-छोट बच्चा सभक परवरिस विनिता देवी कोना करती? हुनकर एहि दुखद घरी मे केओ फरिश्ता आओर हुनकर मसीहा बनी हुनकर मदैद करबाक लेल आबैत छथि ई देखै बाली बात अछि।

मोसोमत विनिता देवीक एहि दुखक घरी केँ देखैत "मैथिल सेवा संस्थान" आओर "मानव कल्याण केंद्र" केँ युवा कार्यकर्त्ता सभ हुनक हर संभव मदैद लेल प्रयास मे जुटल अछि। "मिथिला दैनिक" परिवार समस्त मिथिलांचल वासी सँ नेहोरा करैत अछि कि एहि दुखक घरी मे मोसोमत विनिता देवीक हर संभव मदैद लेल आगू आबी।

कोनो तरहक जानकारी लेल विक्की कुमार झा सँ हुनकर मोबाइल नंबर :  88845 14433 पर संपर्क करी।