गया। 20 जनवरी। बोधगया मंदिर एक बेर फेर सँ आतंकी सभक निशान पर अछि। आतंकवादी सभ बरख 2013 मेँ सीरियल ब्लास्ट करीकेँ पूरा विश्व मे आतंकवाद'क खौफनाक छवि पेश पेश केना छल। एक बेर फेर आतंकवादी सभ बोधगया मंदिर केँ उड़ेबाक कोशिश केलक। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक पुलिस केँ मंदिर परिसर लग कथित तौर पर संदिग्ध चीज भेटल अछि। फिलहाल पुलिस एहि संदिग्ध पदार्थक जांच मे जुटल अछि।
जानकारी केर मुताबिक महाबोधि मंदिर केँ उड़ेबाक लेल कथित तौर पर कैको बम प्लांट कायल गेल छल। ओनाकि पुलिस आओर सुरक्षा एजेंसी एहि नापाक मंसूबा पर पैन फेर देलक। कैल्हि शुक्रक राति करीब नौ बजे महाबोधि मंदिर परिसर मे पुलिस केँ हल्का बम ब्लास्ट केर जानकारी भेटल। एहि खबैर केँ बाद अलर्ट सुरक्षा एजेंसी आओर पुलिस पूरा इलाका मे जबर्दस्त सर्च अभियान चलेलक। प्राप्त खबैर केर मुताबिक पुलिस केँ सुरक्षा जांचक दौरान कैको बम भेटल अछि।
ओनाकि गया पुलिस संदिग्ध वस्तु भेटबाक बात क' रहल अछि। मुदा जाहि तरहे सुरक्षा एजेंसी सभा हरकत मे आयल अछि, ओहिसँ साफ पता चलैत अछिकि एक बेर फेर आतंकवादी सभक द्वारा महाबोधि मंदिर मे सीरियल ब्लास्ट करबाक बड़का योजना छल। मौका पर मौजूद सुरक्षाकर्मि कहलनि कि सर्च अभियान केर दौरान भारी मात्रा मे बम भेटल अछि। अपने क' बता दी कि एखन बोधगया मे विश्वक करीब 10,000 सँ बेसी विदेशी बौद्ध धर्मावलंबी तिब्बति केँ धर्मगुरु दलाई लामा केँ टीचिंग सेशन मे शरीक होयबाक लेल पहुँचल अछि।
दलाई लामा केर सुरक्षाक मद्देनजर महाबोधि मंदिर आओर कालचक्र मैदानक चप्पा - चप्पा मे सुरक्षाक पुख्ता इंतजाम कायल गेल अछि। एहि स्थिति मे महाबोधि मंदिर मे बम होयबाक खबैर सँ राज्य आओर केंद्रक सुरक्षा एजेंसी आओर ओहिक इंतजामात पर सवाल ठाढ़ भ' गेल अछि। एक बेर फेर सँ पूरा दुनियाक नजैर मे विश्वक शांतिक संदेश वाहक बोधगया आतंकवादी सभक नजैर पर अछि।