दरभंगा : दहेज दानव'क निकालल गेल शव यात्रा, जिलाधिकारी चंद्रशेखर सिंह देलनि मुखाग्नि

दरभंगा। 20 जनवरी। दहेज मुक्त बिहार बनेबाक दिशा मे सरकार आओर जिला प्रशासन सँ ल'केँ आम जन सेहो लागल अछि। कैल्हि बैंड-बाजा संग दहेज रूपी दानव आओर दहेज लोभी मानव'क शव यात्रा निकालल गेल। शव यात्रा'क खास बात ई छल कि जिलाधिकारी खुद 'शव' केँ कन्हा देलनि आओर फेर मुखाग्नि देलनि।


कैल्हि शुक्र दिन जिला प्रसाशन'क सहयोग सँ 20 फुट नमहर दहेज रूपी दानव आओर दहेज लोभी मानव'क पुतला बना ओहिक शव यात्रा निकालल गेल। शव यात्रा पूरा धूम-धाम आओर बैंड-बाजाक संग निकलल।  जे दरभंगा'क सड़क पर कैको इलाका मे घुमाओल गेल। जिला पदाधिकारी सेहो एहि यात्रा मे शामिल भेला आओर लोग सभकेँ दहेज'क खिलाफ जंग मे संग देबाक अपील केला। 
शहर भ्रमण करबाक बाद शव केँ लहेरियासराय नेहरू स्टेडियम मे राखल गेल आओर पूरा विधि-विधान'क संग जिलाधिकारी चंद्रशेखर सिंह दुनू  पुतला केँ मुखाग्नि देलनि। एहि मौका पर जिलाक तमाम अधिकारी'क संगे संग भारी संख्या मे आम जन मौजूद छल। 

जिलाधिकारी चंद्रशेखर सिंह लोग सभसँ अपील केलनि कि 21 जनवरी केँ मानव श्रंखला मे भाड़ी संख्या मे शामिल भ' एहि नेक मकसद केँ कामयाब करी। आगा ओ कहलनि कि आब ओ समय आएब गेल अछि कि समाज मे पसरल एहि कुरीति केँ अंत्येष्टि करी। आओर दहेज मुक्त बिहार बनाबी।