अपने क' बता दी कि गया जिलाक बाराचट्टी प्रखंडक सुदूरवर्ती इलाक जता पुलिस बल अप्पन वाहन सभसँ नहि पहुंच सकैत अछि, ओहि इलाका मे नक्सली सभक द्वारा मौतक खेती कायल जायत अछि। ओतहि ऊपरी गोहिया गामक बात करी तेँ ई गाम पहाड़क तलहटी मे बसल अछि। एहेन इलाकाक फायदा उठा नक्सली सभ एहिठाम अफीमक खेती करैत अछि।
नक्सली सभ अप्पन संगठन क' आर्थिक रूप सँ मजबूत करबाक लेल अफीमक खेती ग्रामीण सभसँ करबैत अछि। चुकी जाहि जगह पर अफीमक खेती कराओल जायत अछि ओहिक आस-पास कोनो गाम नहि होयत अछि। पुलिस बल क' पहाड़ पर चढ़ैत देख देख अफीमक खेतीक देखरेख करनिहार सेहो पड़ा जायत अछि।