पटना - मोकामा पैसेंजर ट्रेनक चारि बोगी मे लागल भीषण आगि, किनको घायल होयबाक खबैर नहि अछि

मोकामा। 10 जनवरी। छह कोच बला पटना-मोकामा फास्ट पैसेंजर ट्रेन आधा रातिमें एकाएक बर्निंग ट्रेन मे बदैल गेल। ट्रेनक चारि बोगी पूरा तरहे जड़ीकेँ खाख भ' गेल ओनाकि एहि बड़का हादसा मे किनको घायल घायल होयबाक खबैर नहि अछि। पूर्वी मध्य रेलवे केँ प्रवक्ता बतौलनि कि घटनाक समय ट्रेन स्टेशन यार्ड मे ठाढ़ छल।

सीपीआरओ राजेश कुमार कहलनि कि पटना - मोकामा मेमू पैसेंजर मंगलक राति करीब 11 बजे मोकामा स्टेशन पहुंचल। ऐहिक बाद ट्रेन मोकामा स्टेशन केँ यार्ड मे ठाढ़ क' देल गेल छल। देर राति करीब एक बजे ट्रेनक दू बोगी मे आगि लागि गेल। आगिकेँ काबू करबाक प्रयास मे आओर दू बोगी आगिक चपेट मे आएब गेल। बाद मे आगि पर काबू क' लेल गेल आओर एहि हादसा किनको हताहत होयबाक खबैर नहि अछि। एखन धरी आगि लगबाक कारणक पता नहि लगाओल जे सकल अछि।