चाईबासा कोषागार सँ 37.63 करोड़ टाकाक अवैध निकासी सँ संबंधित मामला ल'के चारा घोटाला कांड संख्या 68ए/96 केर तहत प्राथमिकी दर्ज अछि। एहि मामला मे 55 सँ बेसी आरोपी ट्रायल फेस क' रहल अछि। चाइबासा कोषागार सँ अवैध निकासी मामला मे लालू प्रसाद केर पेशी वीडियो कांफ्रेसिंग द्वारा करबाओल गेल। एहि मामला मे लालू प्रसादक खिलाफ 24 जनवरी केँ फैसला सुनाओल जायत।
अपने क' बता दी कि चारा घोटाकाल एक आन मामला मे पूर्व मुख्यमंत्री लालू प्रसाद यादव रांची स्थित सीबीआई केर विशेष अदालत मे पेश भेल छला। आरजेडी सुप्रीमो केर पेशी डोरंडा, चाईबासा आओर दुमका कोषागार सँ अवैध निकासीक मामला मे भेल छल। आब आरसी 68 ए-96 मामला मे 24 जनवरी केँ फैसला आयत।