जल्दे पूरा होयत मिथिलांचल वासी सभक हवाई सफर करबाक सपना

दरभंगा। 19 जनवरी। मिथिलांचल वासी सभक हवाई सफर करबाक सपना जल्दे साकार होमै बला अछि। किएक जे दरभंगा वायुसेना केंद्र सँ उड़ान शुरू करबाक दिशा मे कवायद तेज भ' चुकल अछि। जाहिसँ एहिठामक लोग छह मासक भीतर देशक तीन महानगर दरभंगा सँ मुम्बई, बंगलुरू आओर दिल्ली लेलहवाई यात्रा क' सकता।

एहि हवाई सफरक लेल दू विमान कंपनी स्पाइस जेट आओर इंडिगो एयरलाइंस केंद्र सरकारक उड़ान योजनाक तहत निविदा सेहो देना अछि। यदि दरभंगाक एयरफोर्स एयरपोर्ट पर टर्मिनल भवन आओर प्रवेशक लेल  सरकार जमीन उपलब्ध करा दैत अछि तेँ अगला छह मास मे हवाई सेवा प्रारंभ भ' सकैत अछि। अगिला सप्ताह 'लेटर फॉर एवार्ड इश्यू' भ' जेबाक अनुमान लगाओल जे रहल अछि। ऐहिक जारी भेलाक बाद छह मासक भीतर संबंधित कंपनी केँ अप्पन सेवा शुरू करे पड़ैत अछि।

अपने क' बता दी कि दरभंगा एयरपोर्ट पर हवाई सेवाक शुरुआत लेल  एयरपोर्ट अथॉरिटी ऑफ इंडिया आओर डीजीसीए केँ चारि सदस्यीय टीम नवंबर 2017 मे दरभंगाक दौरा करी स्थल निरीक्षण केँ संगहि किछु आवश्यक सुविधा सभके बहाल करबाक निर्देश सेहो देना छल। 

दरसल एक दशक पहिने सँ एहिठाम सँ हवाई सेवाक लेल प्रयास चलैत छल। सभसँ पहिने दरभंगा सँ चार्टड विमान सेवा शुरू भेल, मुदा उद्घाटनक दिने जहाज हवाई पट्टी सँ पिछड़ी केँ झाड़ी मे चल गेल आओर हादसाक शिकार भ' गेल। दोसर बेर ऐहिक पहल ढाई बरख पहिने भेल, मुदा ओहो  निरंतरता बरकरार नहि रही सकल आओर एहिठामक लोग सभक सपना एक बेर फेरसँ टूटी गेल। आब एक बेर फेरसँ एहि दिशा मे मौजूदा केंद्र सरकार ठोस पहल केना अछि।