आऊ सहज आ आसानी सँ अपन मातृलिपि 'मिथिलाक्षर' सीखी

सहज आ आसानी सँ अपन मातृलिपि मिथिलाक्षर सीखबाक लेल सबसँ पुरान वाट्सएप समूह 'मिथिलाक्षर शिक्षा अभियान'  नव बैच (वर्ग) आरंभ करय जा रहल अछि। जतय मिथिलाक्षर'क कुशल आ अनुभवी महानुभाव लोकनि अपन अनुभव सँ मातृलिपि सिखओताह।

एहि अभियान सँ जुड़ी आ मात्र प्रतिदिनक किछु पल देला सँ विलुप्त होइत अपन लिपि के सीखि मिथिला'क अति विशिष्ट धरोहर जकरा हम सभ बिसरि गेल छी, कें जीवंत राखि सकैत छी। आऊ एहि अभियान सँ अपनो जुड़ी आ ईष्ट, मित्र, सखा आ संबंधी के जोड़ि एक मैथिल होयबाक नाते मिथिलाक्षर सीखी आ एहि अभियान के घर घर पहुँचाबी।

एहि अभियान सँ जुड़बाक लेल नीचाँ देल गेल नं. पर शीघ्र संपर्क करी:

रमेश चन्द्र झा- 9871318160,
जितमोहन झा- 7715870809.