मुजफ्फरपुरक सिनेमा घर मे फिल्म पद्मावत ल'केँ पोस्टर व बैनर सभकेँ फाड़ल गेल। ऐहिक संगहि खूब उत्पात मचाओल गेल। करणी सेना सँ जुड़ल लोग सभ कार्निवल सिनेमा हॉल मे खूब तोड़फोड़ केलक। ऐहिक संगहि रीलीज भेला पर हॉल केँ आगि लगेबाक धमकी सेहो देल गेल। करणी सेनाक लोग तलवार व लाठीक संग ओहिठाम पहुंचल छल।
करणी सेनाक उपद्रव बढ़ैत देख सिनेमा हॉलक मैनेजर पुलिस केँ ऐहिक सूचना देलक। ओहिक बाद पुलिस टीम ओता पहुंचल। पुलिस केँ देखते प्रदर्शन क' रहल लोग ओहिठाम सँ पड़ा गेल। गौरतलब अछि कि नाम बदलबाक बाद फिल्म पद्मावत 25 जनवरी केँ पूरा देश मे रीलीज होमै बला अछि। ऐहिक संगहि पाबंदी बला राज्य सभसँ सेहो सुप्रीम कोर्ट बैन हटा देना अछि।