गौरतलब अछि कि बक्सर जिला मे समीक्षा यात्रा'क दौरान नीतीश कुमार केँ काफिला पर पथराव कायल गेल छल। ओहि हमला मे मुख्यमंत्री केँ सुरक्षित बचा लेल गेल छल, मुदा हुनकर सुरक्षा मे तैनात कैको सुरक्षाकर्मी घायल भ' गेल छल। एहि हमला'क बाद नीतीश कुमार'क सुरक्षा केँ आओर मजबूत करबाक मांग सेहो उठल छल।
अपने क' बता दी एहिसँ पहिनो नीतीश कुमार केँ जेड प्लस सुरक्षा देबाक पेशकश भ' चुकल छल, मुदा जेड प्लस सुरक्षा लेबाक लेल मुख्यमंत्री तैयार नहि भेल छला। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एखन धरी बिहार पुलिस'क सुरक्षा घेरा मे छला। मुदा, एहि बेर काफिला पर हांला'क बाद गृह मंत्रालय हुनकर सुरक्षा व्यवस्था केँ मजबूत करबाक निर्णय लेलक आओर ऐहिक तहत हुनका जेड प्लस सुरक्षा मुहैया कराओल गेल अछि।