बहुत दिन सँ चुनाव'क मांग क' रहल छात्र सभ छात्र संघक चुनाव केँ घोषणा'क स्वागत केलनि अछि। छात्र सभ एहि बात ल'केँ असमंजस मे छथि कि विभिन्न कॉलेज सभमें फरवरी मे सीबीएससी प्लस टू परीक्षा'क कारण चुनाव प्रचार मे बाधा आओत।
आइसा (एआइएसए) नामक छात्र संगठन'क नेता संदीप कुमार चौधरी कहलनि कि छात्र सभक बड़का समूह चुनाव सँ वंचित रही जेता। एफिलियेटेड कॉलेज'क छात्र सभ चुनाव मे भाग नहि ल' पेता। छात्र नेता कहलनि कि चुनाव लड़बाक लेल 75 फीसदी हाजरी'क शर्त छात्र सभकेँ मायूस करत। आगा ओ कहलनि कि एहि संबंध मे ओ वीसी सँ भेंट करी चर्चा करता।
कुनू राजनीतिक दल'क विचारधारा'क बहाव मे नहि अएबाक दावा करय संगठन मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU) एहि चुनाव'क स्वागत केना अछि। संगठन'क नेता विद्या भूषण राय कहलनि कि कैको बरख बाद विश्वविद्यालय मे छात्रसंघ चुनाव होयब संगठन लेल अहम अछि। आगा ओ कहलनि कि विश्वविद्यालय केँ सभ 43 अंगीभूत कॉलेज मे मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU) दावेदारी पेश करत।
एनएसयुआइ (कांग्रेसी विचार सँ प्रेरित) केँ जिलाध्यक्ष त्रिभुवन कुमार केँ सेहो परीक्षा'क कारण प्रचार'क रफ्तार कम रहबाक चिंता सता रहल छैन्ह। त्रिभुवन कुमार आन मुद्दा सभक संगे संग चुनाव तिथि ल'केँ वीसी एस के सिंह सँ भेंट करी चर्चा करबाक बात कहलनि।
तमाम छात्र संगठन विश्वविद्यालय केँ सभ अंगीभूत कॉलेज मे किस्मत अजमेबाक बात क' रहल अछि। मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU) केँ छोड़िकेँ सीट शेयरिंग वा अलायंस केँ बात पर ओ एहि मसला केँ संगठन'क उपरी नेतृत्व पर छोड़ैत अछि। आइसा (एआइएसए) नामक छात्र संगठन कुनू भी कीमत पर लेफ्ट फ्रेटरनिटी सँ बाहर निकलबाक मूड मे नहि देखार द' रहल अछि।