अपने क' बता दी कि लापरवाही आओर गैर जिम्मेदाराना रवैया खगड़िया पुलिस केर छवि बनल जे रहल छल। आमलोग सदिखन ई शिकायत ल'के एसपी केर दरबार पहुँचैत छल की दारोगा जी नहि सुनैत छथि, पुलिसक सामना अपराधी सभ अपराध करैत अछि पुलिस किछु नहि करैत अछि, एनएच-31 पर मवेशी गाड़ी सभसँ अवैध वसूली एहितमाम शिकायत से तंग खगड़िया एसपी मीनू कुमारी एक राति खगड़िया पुलिस केर असलियत जांच केलनि।
राति मे एसपी खुद महेशखूंट थाना पहुँच गेली, ओता पहुँच ओ देखैत छथि कि गश्ती दल मे शामिल दारोगा जी सहित छह पुलिसकर्मी गाड़ी सड़क कात ठाढ़ करी नींद मे सुतल छथि, फेर की ? ओहि समय एसपी बड़का कार्रवाई करैत गस्तिदल के दारोगा सहित सभ छह पुलिसकर्मी क' तत्काल निलंबित करी विभागीय कार्रवाई केर आदेश निर्गत क' देलनि।
एहि दरमियान मीनू कुमारी कहलनि कि ई सभ एतेक लापरवाह भ' सकैत छथि सोइचो नहि सकैत छलहुँ, ऐना मे हिनका सभक हथियार सेहो अपराधी सभ ल'के भाएग सकैत छल।