दरभंगा। 06 दिसम्बर। नवा साल पर शहर क' जाम केर समस्या सँ छुटकारा दियेबाक लेल प्रशासनिक स्तर पर तैयारी तेज भ' गेल अछि। शहर के बाहर दिल्ली मोड़ लग बस स्टैंड क' शिफ्ट करबाक लेल कमिश्नर द्वारा अधिसूचना जारी क' देल गेल अछि। शहर केर बीचों-बीच बस पड़ाव होयबाक कारण अधिकांश सड़क जाम रहैत अछि। प्रशासन केर एहि पहल सँ लोग बहुत खुश छथि।
सड़क जाम केर समस्या दरभंगा के शहरवासी सभक लेल दिनचर्या केर हिस्सा बैन चुकल अछि। स्थिति एहेन बनल अछि कि यदि घर सँ लोग समय सँ पहिने नहि निकले तँ कखनो मुश्किल मे पैड़ सकैत छथि। किएक जे शहर के बीचों-बीच बस स्टैंड रहबाक कारण शहर के मुख्य सड़क सभ पर भाड़ी वाहन सभक परिचालन होयत अछि जाहि कारण सँ मुख्य सड़क पर सदिखन जाम रहैत अछि।
जाम केर समस्या क' दूर करबाक लेल जिला प्रशासन द्वारा शहर सँ बाहर बनल दिल्ली मोड़ स्थित वासुदेवपुर बस स्टैंड क' शुरु करबाक प्रकिया तेज क' देना अछि। अनुमान लगाओल जे रहल अछि कि नवा साल के पहिल माह सँ तीन करोड़ पच्चीस लाख केर लागत सँ बनल नव निर्मित बस स्टैंड चालू भ' जायत।