'उड़ता पंजाब' केर राह पर बिहार, हवाई जहाज सँ भ' रहल अछि गांजा केर तस्करी

पटना। 06 दिसम्बर। बिहार मे पूर्ण शराबबंदी लागू लागू भेलाक बाद सँ आन नशीला पदार्थ सभक तस्करी बहुत जोर पकैड़ रहल अछि। माफिया सभ आब तस्करी करबाक नवा - नवा तरिका अपना रहल अछि। ई पहिल बेर भेल अछि कि माफिया सभ गांजा तस्करी लेल हवाई जहाज केँ सहारा लेलक। दरअसल, पटना एसटीएफ पटना जंक्शन सँ 130 किलो गांजा जब्त केलक। एहि गांजा क' स्पीड पोस्ट सँ पटना भेजल गेल छल। 

प्राप्त खबैर केँ मुताविक गांजा के कंसाइनमेंट अगरतला सँ पार्सल प्लेन सँ कोलकाता भेजल गेल आओर फेर ओता सँ ट्रेन सँ पटना लेल बुक कायल गेल। पटना पहुंचला पर ऐहिके वैशाली भेजल गेल मुदा जाहि पता पर भेजल गेल छल ओ फर्जी निकलल, जाहिक कारण पार्सल वापस आएब गेल।  

ऐहिक बाद अधिकारी सभ पार्सल क' वापर करे बला छल। एहि बीच कैल्हि  मंगल दिन इकोनोमिक ऑफेंस यूनिट आओर एसटीएफ क' गांजा के एहि खेपक जानकारी भेटल। इकोनोमिक ऑफेंस यूनिट आओर एसटीएफ पटना जंक्शन स्थित आरएमएस मे छापामारी करी गांजा के एहि खेप क' जब्त क' लेलक। 

इकोनोमिक ऑफेंस यूनिट आओर एसटीएफ एता सँ सात बोरा मे 130 किलो गांजा बरामद केलक। जाहिक बाजार मे दाम लगभग 50 लाख सँ बेसी बताओल जे रहल अछि। फिलहाल, एसटीएफ पूरा मामला केर जांच क' रहल अछि आओर ई पता लगा रहल अछि कि त्रिपुरा मे ऐहिके के बुक केना रहथिन आओर हाजीपुर मे के रिसीव कराई बला रहथिन।