खगड़िया। 28 दिसम्बर। जेल मे सजायाफ्ता कैदी केर भेल मौत ल'के आक्रोशित लोग सभ एनएच 31 क' जाम क' देलक। आक्रोशित लोग सभ जेल प्रशासन पर कार्रवाई केर मांग करैत छल। एहि विवादक कारण कैको घंटा धरी पोस्टमार्टम लेल शव सदर अस्पताल मे राखल रहल।
सजायाफ्ता कैदी वीर सिंह केर मौतक बाद आक्रोशित लोग सभ एनएच 31 जाम क' देलक। एहि दौरान लोग सभ रोड पर आगजनी करैत खूब प्रदर्शन केलक। आक्रोशित लोग जेल अधीक्षक आओर आन जेलकर्मी पर एफआईआर करबाक मांग क' रहल छल।
ग्रामीण सभक मुताबिक वीर सिंह केर तबीयत 3 दिन सँ खराब छल, मुदा जेल प्रशासन इलाज करायब मुनाशिब नहि बुझलक। जखन जेल के भीतर हुनकर मौत भ' गेल, तखन शव क' अस्पताल भेजल गेल आओर ऐहिक सूचना परिजन सभकेँ देल गेल।