सहरसा। 28 दिसम्बर। सहरसा सदर अस्पताल क' 500 बेडक बनेबाक तैयारी कायल जे रहल अछि। यदि सभ किछु ठीक - ठाक रहल तेँ जल्दे सदर अस्पताल 500 बेडक बैन जायत। जखनकि नबका इमरजेंसी वार्ड, ऑपरेशन थियेटरे टा नहि पार्क केर सेहो निर्माण होयत। ऐहिक संगे आठ बेडक डायलिसिस सेंटर केर सौगात सेहो भेटत। एहि दिशा मे जिला स्तर सँ भेजल गेल प्रस्ताव पर पहल शुरू भ' गेल अछि।
राष्ट्रीय स्वास्थ्य मिशन केर तहत सूबे के सभ नौ प्रमंडलक अस्पताल मे नीक स्वास्थ्य सुविधा मुहैया करेबाक पहल शुरू कायल गेल अछि। ऐहिक तहत सहरसा सदर अस्पताल क' सेहो 500 बेडक बनाओल जायत। जिलाक प्रस्ताव पर राज्य सरकार केर स्तर सँ भारत सरकार क' प्रस्ताव भेजल गेल अछि। जाहिकेँ स्वीकृति जल्दे भेटबाक उम्मीद अछि। अस्पतालक अपग्रेड भेला सँ कैको प्रकारक सुविधा सेहो एकहि छतक नीचा मरीज सभकेँ भेटे लागत। मरीज सभकेँ दोसर शहर केँ रूख नहि करे पड़त।