बाढ़ि पीड़ित सभक मांग पूरा नही भेला पर मुख्यमंत्री केँ कार्यक्रमक विरोध करबाक लेल कैल्हि बुध दिन सरायगढ़-भपटियाही प्रखंड प्रमुख केर आवास पर सैकड़ों बाढ़ि पीड़ित सभ आंदोलन केर रूप-रेखा तैयार केलनि। प्रखंड प्रमुख केर अध्यक्षता मे भेल बैठक मे बाढ़ि पीड़ित सभ कहलनि कि एहि बरख आयल भीषण बाढ़ि सँ बहुत क्षति भेल छल। सरकार नुकसान क' देखैत मुआवजा देबाक बात सेहो केना छल। ओनाकि, सरकारी हुक्म केर एखन धरी पालन नहि भेल आओर एखन धरी लोग सभकेँ बाढ़ि राहत केर राशि नहि भेटल अछि जाहिसँ ग्रामीण सभ बहुत परेशान अछि।
बाढ़ि पीड़ित सभ स्थानीय प्रशासन क' चेतावनी दैत कहलक कि अगर 4 जनवरी धरी बाढ़ि पीड़ित सभक खाता मे बाढ़ि राहत केर राशि नहि आयल तेँ ओ सभ सूबे के मुखिया नीतीश कुमार केर विरोध मे कोनो कसर नहि छोड़ता। गौरतलब अछि कि आगामी 5 जनवरी क' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार विकास समीक्षा यात्रा केर दौरान सुपौल पहुंचे बला छथि। जता नीतीश कुमार कोसी प्रमंडल केँ अधिकारी सभक संग विकास काजक समीक्षा करता।